Sunday, December 1, 2013

सीतामढ़ी मंडल जेलमे भेटल 7 टा मोबाईल फोन

सीतामढ़ी : जिलाक सीतामढ़ी मंडल जेलसं रविदिन भोर छापेमारीमे 7 टा मोबाईल फोन संग किछु आन आपत्तिजनक समान पाएल गेल। पुलिस सूत्र बतौलनि जे सूचना भेटल छल जे किछु अपराधी मोबाइल फोनसं आपराधिक घटनासं जुड़ल अछि। एहि आधार पर सदर अनुमंडलाधिकारी महेन्द्र कुमार आ पुलिस उपाधीक्षक संतोष कुमारक नेतृत्वमे जेलक सभ वार्डमे तलाशी लेल गेल। सूत्रक मानी तऽ एहि अभियानमे 7 गोट मोबाईल फोन, 8 टा चार्जर, 3 टा ईयरफोन आदि पाएल गेल अछि। एहि मामला केँ लऽ डुमरा थानामे एकटा मामला दर्ज कएल गेल अछि। जेलक भीतर मोबाईल फोन कोन पहुंचल, एहि पर जांच कएल जा रहल अछि।

0 comments:

Post a Comment