Monday, December 2, 2013

मधुबनी भेल 42 बरखक

मधुबनी : मधुबनी मिथिला संस्कृतिक गढ़ अछि। एतुक्का विशेषता सामाजिक एकता अछि। आइ मधुबनीक 42म जिला स्थापना दिवस पर संकल्प लेबाक जिलाक विकासक लेल काज करब। इ गप्प बीतल रवि केँ स्थापना दिवस समारोहक उद्घाटन करैत हुए लोकेश कुमार सिंह कहलनि। विधायक विनोद नारायण झा मधुबनीक विशेषता पर जोर देलनि। ओ शिक्षा, कृषि, सिंचाई पर बेसी ध्यान देबाक गप्प कहलनि, मिथिला पेंटिंगक आधार केँ आओर मजगूत कऽ एकर नव ऊंचाई देबय पड़त। उद्घाटन समारोहक संचालन पं. विपिन कुमार पांडेय केलनि। ओतहि दोसर सत्रमे जेकर संचालन मैथिलीक प्रसिद्ध हास्य कलाकार राम सेवक ठाकुर केलनि जाहिमे कुमकुम झा, चंद्रिका कुमारी, कुंज बिहारी मिश्र, राजनीति रंजन, अरविंद कुमार संगे कतेको कलाकार मैथिली गीत गाबि दर्शकक प्रशंसा पौलनि। एहि मौका पर DM लोकेश कुमार सिंह, विधायक सतीश साह, डा. बीएन सिंह, मिथिलेश कुमार, अशोक कुमार,संजीव सिन्हा, नरेश झा संगे अन अधिकारी उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment