Tuesday, July 24, 2018

मिथिला बनय अलग राज: राबड़ी देवी

बिहार क' पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी बीतल सोम दिन विधानसभा मे कहलनि जे मिथिला कें अलग राज बनायल जाए जतय सभटा काज मैथिली मे होई.

बताबी जे विधान पार्षद सुमन कुमार मैथिली भाषा कें बिहार क' राजभाषा क' सरकारी काज के लेल कानूनी मान्यता देबाक मांग केने छलथि. विधानसभा मे ओ कहलनि जे मैथिली भाषा संविधानक अष्ठम अनुसूची मे जुड़ल अछि मुदा बिहार मे एहि भाषा मे कोनो काज नहि भ' रहल अछि.

जवाब दैत प्रभारी मंत्री राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह कहलनि जे एहन कोनो प्रस्ताव विचाराधीन नहि छैक. ललन सिंह कहलनि जे राज मे मैथिली, भोजपुरी, अंगिका, मगही आदि भाषा पैघ आबादी द्वारा बाजल जाएत छैक. एकर विकास लेल सरकार आओर शिक्षा विभाग प्रयासरत छैक.

सुमन के प्रश्नक जवाब दैत ललन सिंह कहलनि जे मैथिली कें सरकारी काज क' लेल कानूनी मान्यता देबा मे दिक्कत छैक. एना केला पर राज मे एकटा अलग तरहक प्रतिस्पर्द्धा शुरू भ' जाएत.

0 comments:

Post a Comment