बरौनी आ कांटी लेल चाही आब बेसी कोयला
पटना : राज्य सरकार बरौनी आ कांटी थर्मल पावर लेल बेसी कोयलाक मांग केलक अछि। ऊर्जा मंत्री बिजेंद्र प्रसाद यादव एहि संबंधमे केंद्रीय कोयला मंत्री श्रीप्रकाश जायसवाल आ योजना आयोगसं गप्प केलन्हि। मंत्रीक कहब छल जे पहिले बरौनी आ कांटी केँ मिला कऽ अधिकतम 100 मेगावाट बिजलीक उत्पादन भऽ रहल छल। दूनु यूनिटसं बेसी बिजली उत्पादन करबाक लेल एकरा आधुनिक कएल गेल।
काज पूरा होएबाक बाद एतय 440 मेगावाट बिजलीक उत्पादन होएत। एहि लेल बेसी कोयलाक जरूरत होएत। कांटी केर एक यूनिटसं 110 मेगावाट बिजलीक उत्पादन शुरू भऽ गेल अछि। एतय जल्दिये दोसरो यूनिट शुरू होएत। अगिल तीन मासमे बरौनी यूनिट केर मरम्मतक काज सेहो पूरा भऽ जाएत आ 220 मेगावाट बिजलीक उत्पादन होमय लागत। ऐनामे आब बेसी कोयलेक जरूरत होएत। केंद्र सरकार केँ लगातार एकरा लऽ चिट्ठी पठाएल जा रहल अछि, ताकि सभ यूनिटकेँ शुरू होएबा पर कोयलाक समस्या नहि हो, यूनिट बंद होएबाक संकट नहि हो।
0 comments:
Post a Comment