राधाकांत ठाकुर केँ भेटल बरख 2013 क संस्कृत साहित्य अकादमी पुरस्कार
मधुबनी : अंधराठाढ़ी कर्णपुर केर प्रो. राधाकांत ठाकुर केँ संस्कृत काव्य संग्रह ‘चल दुरवाणी’ लेल बरख 2013क साहित्य अकादमी सम्मानसं सम्मानित करत। साहित्य अकादमीक निर्णायक मंडल नई दिल्ली एकर घोषणा केलक। राष्ट्रीय संस्कृत विद्यापीठ तिरुपतिमे राजिस्ट्रार आ एकेडमिक डीन केर पद पर कार्यरत श्री ठाकुर दर्जनोँ साहित्यिक कृतियोंक सृजन केने छथि।
संस्कृत केँ विश्वक सबसं मधुर भाषा बतौनिहार श्री ठाकुर ‘चल दुरवाणी’ काव्य संग्रहमे श्लोकक माध्यमे मोबाइलक मनुख्खक जिनगीमे बढ़ैत सकारात्मक प्रभाव, समाजमे ओकर पहुंच केँ कलात्मक रुपमे प्रस्तुत कऽ साहित्यि केँ एकटा नव ऊंचाई देबामे सफल रहला। कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगासं शिक्षा ग्रहण करनिहार श्री ठाकुर केर साहित्यिक कृतिमे ग्रामीण संस्कृतिक अद्भुत झलक देखाइत अछि, यैह हुनका आनसं अलग करैत अछि। देवनाथ ठाकुरक सुपुत्र श्री ठाकुर केर एहि उपलब्धि साहित्य प्रेमी इ मिथिलावासी खुश छथि।
0 comments:
Post a Comment