Friday, December 20, 2013

अंर्तराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक तैयारी अंतिम चरणमे

रांची : अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन 22 आ 23 दिसंबर केँ होएत जेकरा लेल तैयारी अंतिम चरणमे अछि। मिथिला प्राइमसं गप्प करैत महासचिव बैद्यनाथ चौधरी उर्फ बैजू कहलनि जे सम्मेलन पूर्ण रुपे सफल होएत। ओ कहलनि जे मैथिली भाषा केँ संविधानक अष्टम सूचीमे स्थान भेटलाक बादसं 22 आ 23 दिसंबर केँ मैथिली अधिकार दिवसक रूपे मनाएल जाइत अछि। एहि दिन लोकसभा आ राज्यसभासं बिल पारित भेल छल। एहिसं पहिले इ सम्मेलन दिल्ली, मुंबई, तिरुपति, मद्रास, गुवाहाटी, कोलकाता, देवघर, काठमांडू आदि शहरमे भऽ चुकल अछि। इ कलाकार अओताह : कुंज बिहारी मिश्र, सुरेश पंकज, कन्हैया ठाकुर, ओम प्रकाश सिंह, राधा मोहन मिश्र, दुखी राम, केदार कुमार, दीपक कुमार, नंद शंकर झा, रंजना झा, पूनम मिश्रा, ममता ठाकुर, डॉ.नलिनी चौधरी, उषा पासवान आदि कार्यक्रम : 22 दिसंबर # 22 दिसंबर केँ मिथिलाक पारंपरिक परिधानमे प्रभातफेरी # सम्मेलनक उद्घाटन 3 बजे हरमू स्थित पटेल पार्कमे # 5 बजे देल जाएत मिथिला रत्न सम्मान # सांझ 6 बजेसं कवि सम्मेलन संध्या # सांझ 7 बजेसं रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम कार्यक्रम : 23 दिसंबर # भोर 11 बजेसं विचार गोष्ठी # सांझ 6:30 बजेसं रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम

0 comments:

Post a Comment