अयोध्यानाथ आ रामनारायण सम्मानित
जनकपुर :
मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार अयोध्यानाथ चौधरीके विद्यापति पदकसँ सम्मानित कएल गेल अछि।
रामानन्द युवा क्लवक वार्षिकोत्सव समारोहक अवसर पर हुनका सम्मान कएल गेल अछि।
ओ समारोहमे चर्चित हास्य कलाकार रामनारायण ठाकुरके सरस्वती राजनारायण कला पुरस्कारसँ सम्मानित कएल गेल अछि। ओ दूनु पुरस्कारक राशी ११–११ हजार नगद आ प्रशस्तिपत्र रहल छल।
दूनु गोटेके दोसल्ला सेहो ओढाओल गेल छल।(समदिया : सुजीत कुमार झा)
0 comments:
Post a Comment