Showing posts with label सहरसा. Show all posts
Showing posts with label सहरसा. Show all posts

Sunday, July 22, 2018

बिहार के विशेष राजक दर्जा नहि मिथिला के भेटय स्पेशल पैकेज: सांसद पप्पू यादव

जन अधिकार पार्टी क' संरक्षक आ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा लोकसभा मे विशेष राजक मांग के नकारि देलाक बाद ई मुद्दा देश मे खत्म भ' गेल. बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सेहो विशेष राजक मांग छोड़ि बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र मगध, मिथिला-कोसी लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

लोकसभा मे शुक्र दिन अविश्वास प्रस्ताव पर मतदान सं पहिले वॉकआउट करनिहार सांसद पप्पू यादव कहलनि जे सदन मे अविश्वास प्रस्ताव बहस क' बीच नहिए सत्तापक्ष आ नहिए विपक्ष बिहार क' कोनो मुद्दा पर चर्चा केलक. यादव कहलनि जे बिहार मे आयल बाढ़ि पर चर्चा कयल गेल आ नहिए और नहिए रौदी पर. नहिए बेरोजगारी पर गप्प कयल गेल आ नहिए बिहार के देल गेल कथित विशेष पैकेज पर. एना मे सदन मे रहबाक कोनो औचित्य नहि छल.

यादव कहलनि जे आब बिहार क' मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लग कोनो मुद्दा नहि बचल अछि. नीतीश कुमार कें आब बिहार क' अलग-अलग क्षेत्र लेल विशेष पैकेज क' मांग करबाक चाही.

Saturday, May 20, 2017

नव बनि रहल शक्ति आ शिव पर्यटन सर्किट मे मिथिलाक बहुतो पावन धाम कें जगह

प्रदेश मे तीन टा धार्मिक पर्यटन सर्किट विकसित कयल जाएत. शक्ति, शिव आ सिख सर्किट. पर्यटन विभाग एकरा विकसित करबाक लेल विस्तृत रिपोर्ट बना केंद्र सरकार के पठेलक. केंद्रीय पर्यटन विभाग सं एकरा लेल फंड सेहो मानल जाएत. 

बिहार पर्यटन दृष्टिये बड्ड महत्वपूर्ण क्षेत्र छैक मुदा राज सरकार पर बेर-बेर इ आरोप लगैत रहैत छैक जे पर्यटन के बढ़ावा देबा लेल प्रदेश सरकार गंभीर नहि. राज्य मे अखन हिन्दू सर्किट, जैन सर्किट, गांधी सर्किट, रामायण सर्किट, बुद्ध सर्किट आ सूफी सर्किट छैक जेकर स्थिति सेहो नीक नहि कहल जा सकैछ. आब शक्ति, शिव आ सिख सर्किट क' विकास लेल योजना बनाओल गेल अछि. 
शक्ति सर्किट : शक्ति सर्किट मे पटना क' कालीमंदिर, बड़की-छोटकी पटन देवी आ शीतला माता मंदिर, सारण क' आमी, गोपालगंज क' थावे, कैमूर क' मुंदेश्वरी, सहरसा क' उग्रतारा स्थान, मधुबनी क' उच्चैठ आ रोहतास मे मां तारा चंडी स्थान के विकसित कयल जाएत.

शिव सर्किट : मुजफ्फरपुर मे बाबा गरीब नाथ, मोतिहारी मे सोमेश्वर नाथ महादेव, सीतामढ़ी मे बाबा नागेश्वर नाथ, शिवहर मे देकुली भुवनेश्वर नाथ धाम, भागलपुर मे सुल्तानगंज क' बाबा अजगेबीनाथ, मधेपुरा क' सिंहेश्वर स्थान, दरभंगा मे कुशेश्वर स्थान आ कटिहार मे गोरखनाथ मंदिर के शिव सर्किट के रूपे विकसित कयल जाएत. 



सिख सर्किट : पंजाब क' बाद सिख धर्मावलंबी क' सभसं पैघ तीर्थस्थल बिहार अछि. राज्य क कतेको गाम मे एहन गुरुद्वारे अछि जतय हस्तलिखित गुरु ग्रंथ साहिब छैक. पटना साहिब गुरुगोविंद सिंह क' जन्मस्थली अछि. ओतहि, तेगबहादुर सेहो बहुतो ठाम बिहार मे घूमलनि. एहन-एहन ऐतिहासिक स्थल कें चुनि कें सिख सर्किट मे जोड़ल जाएत.

Monday, March 20, 2017

सहरसा मे भेटल ISIS क' पोस्टर

सहरसा : मिथिला क्षेत्र क' सहरसा क' नवहट्टा मे आईएसआईएस सं संबंधित किछु पोस्टर भेटल अछि, न्यूज़ एजेंसी एएनआई क' मानी त' पोस्टर पर लोक सभकें, खास क' युवा वर्ग के आईएसआईएस सं जुड़बाक अपील कयल गेल अछि.



एहि मामिला मे एसडीपीओ अनवर जावेद ने कहलनि जे, "ISIS क' पोस्टर लागब बड्ड गंभीर मुद्दा अछि, जे कियो इ केलक ओकर तकबाक काज शुरू भ' गेल अछि, जांच चलि रहल अछि."


Wednesday, December 23, 2015

जानकी एक्सप्रेसक परिचालन 25 दिसंबर सं प्रतिदिन

 जयनगर‬/‎सहरसा‬   : 15283/15284 जानकी एक्सप्रेसक परिचालन आब प्रतिदिन होएत. पैघ समय सं लगातार भ' रहल मांगक बाद रेलवे मंगलदिन एकर घोषणा क' देलक. 25 दिसंबर सं जयनगर,दरभंगा,समस्तीपुर,सहरसा लगाएत बहुतो स्टेशनक यात्री लाभंवित हेता. 


एहि ट्रेनक परिचालन पाहिले सप्ताहमे मात्र तीन दिन छल. देर रातिमे एकर परिचालन हेबा सं ट्रेन खाली जाइत छल, एहि कारणे आब एकर परिचालन समय मे सेहो बदलाव क' देल गेल अछि. 15283 सहरसा सं प्रतिदिन भोरे 5.30 बजे खुजत आ दुपहरियाक 12.35 बजे जयनगर पहुंचत. 15284 जयनगर सं भोरे 4.40 बजे खुजत आ 11.10 बजे सहरसा पहुंचत. 

Monday, May 11, 2015

नहि खाइत छी घास-हमरो चाही सिटी स्मार्ट, जंतर मंतर पर भेल मार्च

नयी दिल्ली : दरभंगा, सहरसा आओर पूर्णिया के स्मार्ट सिटीमे शामिल करबाक उद्देश्य सं बीतल काल्हि जंतर- मंतर, नयी दिल्ली प्रदर्शन आ मार्च क आयोजन मिथिला स्टूडेंट्स यूनियन क तत्वावधान में कयल गेल. मार्च क रहल लोक सभ सं आशंकित भ पार्लियामेंट पुलिस स्टेशन मार्च क रहल लोक म सं बेसी क गिरफ्तार क लेलक जिनका सांझ 5 बजे छोड़ि देल गेल.


 प्रदर्शनकारीकारी सभ सरकारक विरुद्ध जोर-जोर सं नारा लगा रहल छलथि. प्रदर्शनकारीकारी सभ सं दिल्ली पुलिस द्वारा गलत व्यवहार कयल गेल, सूचल भेटल अछि मुदा जंतर-मंतर पर धरना दैत वैंकैया नायडूक आवास पर प्रदर्शनक संग ज्ञापन सौंपल गेल. एहि प्रदर्शन दिल्ली-एनसीआर सं सैकड़ों मैथिल पहुंचल छलथि.

Friday, May 1, 2015

मिथिला राजक मांग ल संसदक सोंझा अनिश्चितकालीन धरना 26 मई सं

सहरसा/नयी दिल्ली : मिथिला राजक मांग ल राष्ट्रवादी जनता पार्टी अनिश्चितकालीन धरना करत. इ जनतब पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष अनिल भारती देलनि.

ओ कहलनि जे राजद आ जदयू सरकार मिथिला संगे कहियो न्याय नहि केलक. सभ बरख इ क्षेत्र अन्हर-बिहाड़ि, बाढ़ि, सुखाड़, भूकम्प आदि सं जूझैत रहैत अछि. 26 मई सं पृथक मिथिला राजक मांग करैत राष्ट्रवादी जनता पार्टी, अनिश्चितकालीन धरना पर बैसत. आगामी विधानसभा चुनाव में पार्टी बिहारक सभटा विधानसभा सीट सं चुनाव लड़त जाहि मे युवा सभकें प्राथमिकता देल जाएत. 

Wednesday, April 29, 2015

भूकंप पीड़ितक संग भेल मजाक, माथ पर चिपका देलक 'भूकंप'

दरभंगा : बीतल शनि के आएल भूकंप मे भेल घायलक पहिचान लेल DMCH मे पीड़ितक माथ पर 'भूकंप' लिखा स्टीकर चिपका देल गेल बाद मे मीडिया मे समाद एला पर एकरा हटा लेल.
दरभंगाक जिलाधिकारी कुमार रवि भूकंप मे भेल घायलक माथ पर 'भूकंप' लिखल, स्टीकर चिपकेबा के गलत बताबैत कहलनि जे ओकरा तुरंत हेटबाक निर्देश द देल गेल. एहि संबंध मे जांच क आदेश द देल गेल अछि.

बता दी जे बीतल शनि के आयल भूकंप मे बिहार मे अखन धरि 58 गोटेक मृत्यु लगायत भारत मे 75 आओर नेपाल मे करीब 5097 गोटेक मारबाक सूचना अछि.

Wednesday, April 22, 2015

42 धरि पहुंचल अन्हर सं मुइलक संख्या, जायजा लेबा एता राजनाथ सिंह

पूर्णिया/मधेपुरा : बीतल राति आयल अन्हर-तूफान सं मरनिहार संख्या 42 धरि पहुंच गेल, 80 गोटे घायल छथि जिनक चिकित्सा लगक अस्पताल मे चलि रहल अछि. इ जनतब बिहारक आपदा प्रबंधन विभागक प्रधान सचिव द्वारा देल गेल अछि.
हुनका मुताबिक मुइल लोक मे सं, 30 पूर्णिया जिला सं, 7 मधेपुरा, 3 मधुबनी आओर 1-1 व्यक्ति सुपौल आओर सीतामढ़ी जिला सं छथि.
अन्हरक बाद तबाह भेल घर , फोटो साभार : गिरीन्द्र नाथ झा 


मिथिला क्षेत्रमे आयल अन्हर-बसातक स्थिति सं निपटबाक लेल केंद्र सरकार, राज्य सरकार कें  सभ संभव मदद देबाक आश्वासन देलक अछि.
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ट्वीट क कहलनि जे, "बिहारक विभिन्न क्षेत्र मे आयल अन्हर सं भेल हालात पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी सं फोन पर गप्प भेल. केंद्र दिस सं सभ संभव मदद देल जाएत.
https://twitter.com/narendramodi/status/590899079841886208

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अगिला ट्वीट क कहलनि जे "गृहमंत्री राजनाथ सिंह हालतक जायजा लेबाक लेल बिहारक दौरा पर जेता."
https://twitter.com/narendramodi/status/590899413200998400

4 लाखक मुआवज़ा

बिहार सरकार मुइल व्यक्तिक आश्रित कें 4-4 लाख रूपयाक अनुदान राशि देबाक निर्देश संबंधित जिलाधिकारी के द देलक अछि.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे हम अपनहि हालातक जायज़ा लेेब आओर सरकार एहि मामिला मे ज़रूरी डेग उठायत.

Friday, April 3, 2015

सहरसा टीसन पर शुरू भेल मैथिलीमे उद्घोषणा

सहरसा : ‘भारतीय रेल अपनेक स्वागत करैत अछि..यात्रीगण, कृपया ध्यान देल जाय.. गाड़ी नंबर 12567 राज्यरानी एक्सप्रेस जे सहरसा से चलि के मानसी, खगड़िया, बेगूसराय, मोकामा, बख्तियारपुर होयत पटना तक जाएत प्लेटफार्म नंबर दू पर ठाड़ अछि .. जिनका वहि दिशा में यात्र करबाक अछि . ओ यात्री अपन स्थान ग्रहण क लिअउ..’

बीतल काल्हि सहरसा जंक्शन पर पहिल बेर मैथिलीमे उद्घोषणा शुरू भेल। राज्यरानी एक्सप्रेसक प्रस्थानक समय सहरसा जंक्शन पर मैथिलीमे भेल उद्घोषणा सं यात्री आओर रेलकर्मी जतेक आश्चर्यचकित छलथि, ओतबहि खुश।

प्रभात खबर, दैनिक समाचार-पत्र दिस सं शुरू भेल मुहिम पर रेलवे द्वारा सहरसा जंकशन पर मैथिलीमे उद्घोषणा डीआरएम सं भेटल आश्वासनक मात्र 12 घंटा बाद शुरू क देल गेल। बताबी जे भारतीय रेलवे द्वारा जारी निर्देश मे संपूर्ण मिथिला क्षेत्रमे मैथिली भाषा कें प्राथमिकता देबाक गप्प कहल गेल अछि।
सहरसा सं पहिले खगड़िया, दरभंगा, मधुबनी आदि ठाम मैथिलीमे उद्घोषणा जारी अछि।

Thursday, September 4, 2014

मैथिलीक सेमिनार मे मैथिलीक साहित्यकार केँ नहि भेटत आमंत्रण ?

सहरसा : आगामी सात सितम्बर केँ साहित्य अकादमी द्वारा संत लक्ष्मीनाथ कुटी परसरमा मे सेमिनार आ कवि गोष्ठीक आयोजनमे मैथिली क्षेत्रमे काज कऽ रहल साहित्यकार केँ आमंत्रित नहि कएल जयबा पर मिथिला संघक अध्यक्ष राजकुमार सिँह कहलनि जे कार्यक्रम मे एहन प्रतिभागी केँ बजायल गेल अछि जिनका मैथिली क्षेत्र मे कोनो सक्रिय गतिविधि नहि रहल अछि।

जखनकि सहरसा मे मैथिलीक वास्तविक कवि मे डा. महेन्द्र, ज्योतिव‌र्द्धन, अवधेश आनंद, स्वाति शाकम्भरी, विनय झा विराट, मुख्तार आलम, केदार गुप्ता, किसलय कृष्ण, मोहन यादव छथि जिनका अखन धरि कोनो जनतब देल जोग नहि बुझल गेल। श्री सिंह कहलनि जे साहित्य अकादमीक मैथिली प्रभाग सं जुड़ल लोकक गलतीक कारणे साहित्यकार केँ एकात तऽ देल गेल अछि। एहि मामिला मे साहित्य अकादमीक मैथिली संयोजिका प्रो. वीणा ठाकुर क' कहब अछि जे लिस्ट स्थानीय स्तर पर तैयार कऽ पठाएल गेल छल। हास्य कवि केदार गुप्ता सेहो तमसायत कहलनि जे मैथिलीक विकासमे सरकार पाइ दैत अछि मुदा स्थानीय साहित्यकार केँ एकात कएल गेल जे गलत अछि।

Sunday, August 31, 2014

100 देश मे ऑनलाइन बिकत मिथिलाक मखान

पटना : मिथिलाक स्वादिष्ट आ पौष्टिक मखान आब देशहि टा नहि विश्वक बाजारमे ई-कामर्स सं अप्पन धाख जमाएत आ लगभगि 100 सं फाजिल देशमे कियौ भी मात्र सप्ताह भरिक अंदर अप्पन इच्छानुसार ब्रांडेड मखान मंगवा सकत।

शक्ति सुधा नाम सं मखान ब्रांडिंग मे पहिचान बनौनिहार उद्यमी सत्यजीत सिंह शनि केँ एहिमे नव अध्याय केँ जोड़ैत मखान केँ ई-कामर्स सं विश्वक बाजार मे पहुंचेबाक सेवाक शुभारंभ केन्द्रीय कृषि मंत्री राधा मोहन सिंह केलनि।
केन्द्रीय कृषि मंत्री मौका पर कहलनि जे मखान मिथिला मे लोकप्रिय छल मुदा सिंह ई-कामर्स सं एकरा भारतक कोन कोन आ विश्वक बाजारमे पहुंचेता।
ओ कहलनि जे इ खुशीक गप्प अछि जे बिहारक संग विशिष्ट संबंध रखनिहार इ उत्पाद आब दुनियाक लगभग 100 देश मे एक सप्ताहक अंदर मंगायल जा सकैत अछि।

Wednesday, July 23, 2014

कोसी जांच आयोगक रिपोर्ट सदनमे राखल जाएत : जीतन राम मांझी

पटना : मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी बीतल मंगलदिन बिहार विधानसभामे घोषणा केलनि जे विधानमंडलक चलैत सत्रमे कोसी त्रासदी कऽ लऽ गठित जस्टिस वालिया जांच आयोगक रिपोर्ट सदनक पटल पर राखल जाएत। एकरा एक्शन टेकेन रिपोर्ट क संगे राखल जाएत। बताबी जे
18 अगस्त 2008 केँ कोसीक कुसहा बान्ह टुटला सं 40 लाख सं बेसी लोक प्रभावित भेल छलथि आ 2 लाख 50 हजार सं बेसी घर बर्बाद भऽ गेल छल। जस्टिस वालिया क रिपोर्ट आएल चार मास सं बेसी भऽ गेल अछि। एहि लेल भाजपाक विधायक लोकनिक हो-हल्लाक जवाब दैत मुख्यमंत्री मांझी कहलनि जे सरकार आयोगक रिपोर्ट चालू सत्रमे सदनमे राखत जाहिसं प्रभावित लोकक पुनर्वासक लऽ काज तेजी सं भऽ सकय।

Wednesday, July 16, 2014

भारतीय मुद्रा पर मैथिलीक प्रकाशन हो : पप्पू यादव

मधेपुरा/नई दिल्ली : सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव मैथिली भाषाक प्रकाशन रुपया (नोट) पर नहि हेबाक मामिला संसद मे उठौलनि। सांसद कहलनि जे आठम अनुसूची मे जुड़ल 15 भाषाक प्रकाशन भारतीय मुद्रा पर रिजर्व बैंक ऑफ इंडिया द्वारा कएल जाइत अछि मुदा आठम अनुसूची मे जुड़ल मैथिली भाषामे प्रकाशन नहि भऽ रहल अछि। भारत सरकार आ बिहार सरकारक कतेको एहन कार्य योजना मे मैथिली भाषा केँ सम्मानक दृष्टिये नहि देखल जाइत अछि। एकरा लेल जरूरत पड़ल तऽ आंदोलन कएल जाएत।

Wednesday, July 9, 2014

कुशेश्वरस्थान-सहरसा रेलखंडक होएत सर्वे

समस्तीपुर/सहरसा : रेल बजट 2014 मे कतेको नव रेलखंडक निर्माणक लेल ओकर सर्वे लेल पाइ देल गेल अछि जाहि मे मिथिलाक तीन टा रेलखंड शामिल अछि। सर्वे मे लेल गेल रेलखंड केँ नव रेलखंडक निर्माण तय नहि मानल जा सकैछ। कुशेश्वरस्थान-सहरसा धरिक 35 किलोमीटर नव रेलखंड केँ सर्वे मे लेल गेल अछि। एकरा लेल 1 लाख रुपया भेटल अछि। समस्तीपुर-महुआ-भगवानपुर रेलखंडक लेल 25 लाख रुपया भेटल अछि। कमतौल-मधुबनी धरिक 30 किलोमीटर रेलखंड निर्माणक सर्वे करायल जाएत।

Tuesday, July 8, 2014

रेल बजट 2014 मे मिथिला केँ की भेटल ?

सहरसा/बरौनी : रेल बजट 2014-15 मे मिथिला केँ की भेटल ?

#जनसाधारण एक्सप्रेस ट्रेन

1. अहमदाबाद-दरभंगा जनसाधारण एक्सप्रेस वाया सूरत

2. जयनगर-मुंबई जनसाधारण एक्सप्रेस

3. सहरसा-आनंद विहार जनसाधारण एक्सप्रेस वाया मोतीहारी

4. सहरसा-अमृतसर जनसाधारण एक्सप्रेस

#नव एक्सप्रेस ट्रेन

5. कामाख्या - कटरा एक्सप्रेस (साप्ताहिक) वाया दरभंगा

#एहि ट्रेनक विस्तार कएल गेल

6. गोँदिया-मुजफ्फरपुर एक्सप्रेस बरौनी धरि

Thursday, June 12, 2014

मिथिला बनय अलग राज्य : विहंगम

पटना : अखिल भारतीय अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति विकास संघक कार्यकारिणी क एकटा बैसार बीतल बुध गत्ते भेल जाहि मे सर्वसम्मति सं इ निर्णय लेल गेल जे 29म राज्य तेलांगाना जेँका बिहार सं पृथक मिथिला राज्य बनबाक चाही। बैसारक अध्यक्षता करैत डा॰ बिलट पासवान विहंगम कहलनि जे छोट राज्य बनला सं मिथिलाक संपूर्ण विकास होएत।

Wednesday, November 28, 2012

अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक 25म दूदिना (सलाना) सम्मेलन


अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक 25म दूदिना (सलाना) सम्मेलन मधेपुरा कालेज मधेपुरामें 22 आ 23 दिसंबरके आयोजित कएल जाओत। एकरा लेल रवि के एकटा बैसर सेहो योगी जनक केर अध्यक्षतामें मधेपुरा कालेज मधेपुरामें भेल। जेहिंमे सम्मेलनके सफल बनाबए लेल कार्यकारिणी समितिक गठन सेहो कएल गेल।

समितीमें डा. अशोक कुमार प्राचार्य मधेपुरा कालेज मधेपुराके अध्यक्ष, पीएस कालेजके प्राचार्य डा.केपी यादवके उपाध्यक्ष, डा. अरुण कुमारके सचिव तथा बच्चा झा सिंहेश्वरके कोषाध्यक्ष चुनल गेल अछि। साथे-साथ 10 सदस्यक समितिमें सदस्य सेहो बनाओल गेल अछि।

Saturday, November 24, 2012

बनमंखी सऽ पूर्णिया धरि ट्रेनक परिचालन बंद

समस्तीपुर/पूर्णिया : समस्तीपुर रेल मंडल केर सहरसा-पूर्णिया खंड केर बनमंखी-पूर्णिया खंड पर ट्रेनक परिचालन बंद भऽ गेल हँ।21 नवंबर से मेगा ब्लाक लेबाक कारण ट्रेनक परिचालन एकदम सऽ रुकि गेल हँ।रेलवे सऽ भेटल जानकारीक अनुसार सहरसा सऽ बनमंखी धरि के लाइन के पहिनहि छोटी लाइन सऽ बड़ी रेल लाइन मेँ बदलल गेल छल मुदा बनमंखी सऽ पूर्णिया धरि छोटी लाइन छल।वित्तीय बरख 2012-13 केर रेल बजट मेँ बनमंखी सऽ पूर्णिया धरि बड़ी लाइन बिछेबाक स्वीकृति भेटलाक बाद रेलवे केर निर्माण विभाग द्वारा 21 नवंबर सऽ मेगा ब्लाक लेल गेल।लगभगि 31 किलोमीटर पैघ एहि रेलखंड पर बड़ी रेल लाइन बिछाबय केर काज शुरु भऽ गेल अछि आ अगिला मार्च धरि एहि काज के पूरा कऽ लेबाक लक्ष्य अछि।

Thursday, November 22, 2012

शुरु भेल सामाचकेवा पर्व

सहरसा : भाई बहिनक स्नेह आ पति पत्‍‌नीक स्वधर्म निर्वहन सऽ जुड़ल समाचकेवा पर्व मिथिला में शुरू भऽ गेल हँ।मंगलदिन सऽ शुरू भेल एहि पर्व कऽ लऽ कऽ सांझ होइत देरी गामक घर आंगन में गीतनाद शुरू भऽ जाइत अछि।लगभग एक सप्ताह पूजाक बाद कार्तिक पूर्णिमाक दिन सामाक विसर्जन कैल जाओत।पंडित मोहन कांत झाक अनुसार पदम पुराण में सूत सोनक संवादके रूप में सामाचकेवा कथाक उल्लेख अछि।हुनक अनुसार भगवान श्री कृष्ण अपन बेटी सामा के वृन्दावण लग चुड़क द्वारा झूठ शिकायत कैल जयबा पर श्रापित कैल जाय केर बात कहल गेल अछि।भगवान अपन बेटी के पक्षी बनि कऽ वृन्दावनक आस पास विचरय के श्राप दऽ देलैथ।एकर जानकारी भेटलाक बाद हुनक पति चारूवत्र सेहो भगवान शंकरक पूजा कऽ पक्षी बनय केर वरदान प्राप्त केलक।इ जानकारी जखन सामाक भाई साम्ब के भेटल तऽ ओ भगवान विष्णुक आराधना कऽ अपन बहिन आ बहनोई के पक्षी सऽ मनुष्य रूप देबाक वरदान प्राप्त केलक।एहि कारण सऽ समाचकेवा पर्व मनाओल जाइत अछि।एहि पर्व में झूठ शिकायत करबाक कारणे चूड़क केर अग्निदहन कैल जाइत अछि ओतय मिट्टी केर सामा,साम्ब,सप्तऋषि आदि बना कऽ पूजा कैल जाइत अछि।

Friday, August 31, 2012

सहरसामें लागत उद्योग

एक करोड़ टकासँ कम लागत केर उद्योगक स्थापना लेल पहल शुरू भऽ गेल अछि। पहिल चरणमें सुलिंदाबादमें मक्का आधारित आ दिवारीमें राईस मिल केर स्थापना कएल जाएत। इ निर्णय शनिदिनके जिलापदाधिकारी मिसबाह बारीक अध्यक्षतामें आयोजित विंडो क्लीयरेंस कमेटीक बैठकमें लेल गेल। बैठकमें उपस्थित जिला उद्योग केन्द्रक महाप्रबंधक आरके ठाकुर कहलाह की किसान द्वारा उत्पादित मक्काक उपयोग आब प्रमंडल क्षेत्रमें ही संभव भऽ सकत। पहिलबेर कोसी वेवरेज एवं फूड प्राइवेट लिमिटेड द्वारा मक्का उद्योग स्थापित करएक कार्रवाई कएल जा रहल अछि। स्थापित होबएबला उद्योगमें मक्का उत्पादन सँ लेकऽ खरीद तक केर व्यवस्था रहत। आ एहिं उद्योग सँ मुर्गीचारा आ पशुआहार संपूर्ण देशमें निर्यात कएल जाएत। ओ जनओलाह की दिवारीमें राईस मिल लगाबएक सेहो प्रस्ताव अछि जेहिंपर कमेटी द्वारा स्वीकृति दऽ देल गेल अछि।