Friday, May 1, 2015

मिथिला राजक मांग ल संसदक सोंझा अनिश्चितकालीन धरना 26 मई सं

सहरसा/नयी दिल्ली : मिथिला राजक मांग ल राष्ट्रवादी जनता पार्टी अनिश्चितकालीन धरना करत. इ जनतब पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष अनिल भारती देलनि.

ओ कहलनि जे राजद आ जदयू सरकार मिथिला संगे कहियो न्याय नहि केलक. सभ बरख इ क्षेत्र अन्हर-बिहाड़ि, बाढ़ि, सुखाड़, भूकम्प आदि सं जूझैत रहैत अछि. 26 मई सं पृथक मिथिला राजक मांग करैत राष्ट्रवादी जनता पार्टी, अनिश्चितकालीन धरना पर बैसत. आगामी विधानसभा चुनाव में पार्टी बिहारक सभटा विधानसभा सीट सं चुनाव लड़त जाहि मे युवा सभकें प्राथमिकता देल जाएत. 

0 comments:

Post a Comment