दरभंगा/सहरसा/पूर्णिया : केंद्र सरकार दशक 100 गोट शहर कें स्मार्ट सिटी बनेबाक तयारी अछि। एहि 100 गोट शहर में बिहार सं 5 गोट शहर चुनल जाएत आ ओहि 5 गोट संभावित शहर मे राजधानी पटनाक संगे, बिहारशरीफ, गया, भागलपुर आ मुजफ्फरपुर अछि।
की-की होएत स्मार्ट सिटी मे
सुव्यवस्थित शहर, चौर सड़क, इंफो पार्क, सुंदर पार्क, स्मार्ट पार्किंग, व्यवस्थित फुटपाथ, रोड ओवरब्रिज, फ्लाईओवर, स्ट्रीट लाइट, व्यवस्थित कॉलोनी, शहर में वाई-फाई, उन्नत कचरा प्रबंधन, अत्याधुनिक मॉल, ग्रीन बिल्डिंग, हाई टेक पब्लिक ट्रांसपोर्टेशन सिस्टम, लो फ्लोर बसक परिचालन, बिजलीक जर्जर तार सं मुक्ति, अंडर ग्राउंड पावर सप्लाई सिस्टम, 24 घंटा बिजली-पाइन, घरे-घरे पाइप से गैस आपूर्ति, गरीबों कें सरकारी मकान, व्यवस्थित सीवरेज सिस्टम, वेंडर पॉलिसी आदि.
केंद्र मे अखन बीजेपीक सरकार छैक आ राज्य मे जदयूक, ओना एहि मे राज्य सरकार बेसी किछु नहि क सकैत अछि सिर्फ सुझाव टा द सकैत अछि आ राज्य सरकार दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया लगायत राज्य सं 20 टा शहर कें स्मार्ट सिटी बनेबाक लेल सुझाव केंद्र सरकार कें पठौने छल. स्मार्ट सिटी कोन आधार पर चुनल गेल अछि एकर जवाब अखन धरि किनको लग नहि छैक, मुदा मिथिला क्षेत्र मे मात्र मुजफ्फरपुर टा के शामिल कयल गेल आओर दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया कें स्मार्ट सिटीक मानचित्र पर जगह नहि भेटलाक बाद मैथिलजन सभ एकरा फेर सं मिथिलाक संग भ रहल भेदभावक टटका उदहारण देलन्हि. मिथिला क्षेत्रक कोनो भी विधायक-सांसद अखन धरि एहि मुद्दा पर किछु नहि बाजि रहल छथि.

0 comments:
Post a Comment