Tuesday, May 5, 2015

स्मार्ट सिटीक मांग ल 10 मई के शांति मार्च

सहरसा/नयी दिल्ली : भारत सरकार द्वारा 100 स्मार्ट सिटी बनेबाक घोषणा होबय वाला अछिI संभावित सूची मे मिथिलाक दरभंगा-सहरसा आओर पूर्णियां सन ऐतिहासिक शहरक नाम नहि होएब मिथिलाक संग केंद्र सरकार द्वारा सतौत व्यवहारक उदाहरण अछिI आजादीक समय सं इ शहर सभ विकसित छल खास क दरभंगा जे बिहारमे पहिल एहन शहर छल जेकरा योजनाबद्ध तरीका सं ब्रिटिश सरकार द्वारा बसाओल गेल छल मुदा पिछला 60 बरखमे एहि शहरक स्थिति आओर ख़राब भ गेलI वर्तमानमे एतुक्का लोक सभ रोजी-रोटीक लेल अप्पन घर-आंगन, परिवार के छोड़ि पलायन करबा लेल मज़बूर छथिI एक-एक क क्षेत्रक सभटा उधोग-धंधे बंद क देल गेल, आइ मिथिला क्षेत्र मजदूर देनिहार क्षेत्र बनि गेल अछि I प्राकतिक आपदा सं सेहो इ क्षेत्र लगातार जूझैत रहैत छैक।


मिथिला क्षेत्र पूर्वमे औधोगिक केंद्र रहल अछि मुदा वर्तमानमे इ क्षेत्र विकासक मामिला मे बहुत पाछू छुटि गेल छैकI एहि शहर कें स्मार्ट सिटीमे शामिल होयबा सं लगक शहर के सेहो फायदा होयत आ विकास होयत I पूर्णियां आओर दरभंगा शहर जनसँख्याक दृष्टिकोणे बिहारमे क्रमश: पाचिम आओर छठम स्थान पर अछि तैं केंद्र सरकार सं आग्रह छैक जे मिथिला, बिहार आओर भारतक विकास लेल एहि तीनू शहर कें स्मार्ट सिटीमे शामिल कयल जायI मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा एहि तीनू शहर कें स्मार्ट सिटीमे शामिल करेबाक लेल 10 मई 2015 के दुपहरियाक 2 बजे जंतर-मंतर,नई दिल्ली सं 30 औरंगजेब रोड (आवास स्थान श्री वैंकया नायडू) धरि शांति पूर्वक मार्च कयल जायत आ श्री वैंकया नायडू, शहरी विकास मंत्रालय, आवास आ शहरी गरीबी उन्‍मूलन, संसदीय मामला कें ज्ञापन देल जाएत। इ  जनतब यूनियनक अध्यक्ष अनूप मैथिल देलन्हि।

0 comments:

Post a Comment