Wednesday, April 29, 2015

भूकंप सं चनकल जानकी मंदिरक दीवार आओर दरभंगा किला

भूकंप सं चनकल जानकी मंदिरक दीवार आओर दरभंगा किला

जनकपुर/दरभंगा : बीतल शनि के आयल भूकम्पक बाद जनकपुरधाम धाम स्थित ऐतिहासिक जानकी मंदिरक पश्चिमी दीवार चनकि गेल, संगे एकटा गुंबद टूटबाक जनतब सेहो अछि. मन्दिरक पुजारी राम प्रकाश महंथ बतौलनि जे लगातार आबि रहल रहल भूकम्पक सं श्रद्धालुक सुरक्षा लेल मंदिर प्रवेश पर किछु देर लेल रोक लगा देल छल.

फोटो साभार : अमित

फोटो साभार : अमित

एम्हर दरभंगाक किला जे पहिलहीसं जर्जर अवस्था मे अछि, भूकंप एकर हालत आओर खराब क देलक अछि. किलाक निचा सं सड़क द हज़ारों लोक प्रतिदिन जाइत छथि जेकर सुरक्षा लेल जिला प्रशासन आओर राज्य सरकार सुतल अछि जावत कोनो पैघ घटना घटित नहि भ जाय.



0 comments:

Post a Comment