Wednesday, April 22, 2015

42 धरि पहुंचल अन्हर सं मुइलक संख्या, जायजा लेबा एता राजनाथ सिंह

पूर्णिया/मधेपुरा : बीतल राति आयल अन्हर-तूफान सं मरनिहार संख्या 42 धरि पहुंच गेल, 80 गोटे घायल छथि जिनक चिकित्सा लगक अस्पताल मे चलि रहल अछि. इ जनतब बिहारक आपदा प्रबंधन विभागक प्रधान सचिव द्वारा देल गेल अछि.
हुनका मुताबिक मुइल लोक मे सं, 30 पूर्णिया जिला सं, 7 मधेपुरा, 3 मधुबनी आओर 1-1 व्यक्ति सुपौल आओर सीतामढ़ी जिला सं छथि.
अन्हरक बाद तबाह भेल घर , फोटो साभार : गिरीन्द्र नाथ झा 


मिथिला क्षेत्रमे आयल अन्हर-बसातक स्थिति सं निपटबाक लेल केंद्र सरकार, राज्य सरकार कें  सभ संभव मदद देबाक आश्वासन देलक अछि.
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ट्वीट क कहलनि जे, "बिहारक विभिन्न क्षेत्र मे आयल अन्हर सं भेल हालात पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी सं फोन पर गप्प भेल. केंद्र दिस सं सभ संभव मदद देल जाएत.
https://twitter.com/narendramodi/status/590899079841886208

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अगिला ट्वीट क कहलनि जे "गृहमंत्री राजनाथ सिंह हालतक जायजा लेबाक लेल बिहारक दौरा पर जेता."
https://twitter.com/narendramodi/status/590899413200998400

4 लाखक मुआवज़ा

बिहार सरकार मुइल व्यक्तिक आश्रित कें 4-4 लाख रूपयाक अनुदान राशि देबाक निर्देश संबंधित जिलाधिकारी के द देलक अछि.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे हम अपनहि हालातक जायज़ा लेेब आओर सरकार एहि मामिला मे ज़रूरी डेग उठायत.

0 comments:

Post a Comment