Monday, May 11, 2015

नहि खाइत छी घास-हमरो चाही सिटी स्मार्ट, जंतर मंतर पर भेल मार्च

नयी दिल्ली : दरभंगा, सहरसा आओर पूर्णिया के स्मार्ट सिटीमे शामिल करबाक उद्देश्य सं बीतल काल्हि जंतर- मंतर, नयी दिल्ली प्रदर्शन आ मार्च क आयोजन मिथिला स्टूडेंट्स यूनियन क तत्वावधान में कयल गेल. मार्च क रहल लोक सभ सं आशंकित भ पार्लियामेंट पुलिस स्टेशन मार्च क रहल लोक म सं बेसी क गिरफ्तार क लेलक जिनका सांझ 5 बजे छोड़ि देल गेल.


 प्रदर्शनकारीकारी सभ सरकारक विरुद्ध जोर-जोर सं नारा लगा रहल छलथि. प्रदर्शनकारीकारी सभ सं दिल्ली पुलिस द्वारा गलत व्यवहार कयल गेल, सूचल भेटल अछि मुदा जंतर-मंतर पर धरना दैत वैंकैया नायडूक आवास पर प्रदर्शनक संग ज्ञापन सौंपल गेल. एहि प्रदर्शन दिल्ली-एनसीआर सं सैकड़ों मैथिल पहुंचल छलथि.

0 comments:

Post a Comment