Sunday, May 10, 2015

आबि रहल अछि मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड

सुपौल : मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड, इ कोनो कंपनीक नाम नहि छैक, इ नाम छै बनि रहल मैथिली फ़िल्मक. भोजपुरी फिल्म 'देसवा' क सफलताक बाद निर्देशक नितिन चंद्रा चंपारण टाकीज क बैनर तर मैथिली मे 'मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड' फिल्म बना रहल छथि. फ़िल्मक शूटिंग टोरंटो(कनाडा), पटना-दरभंगा-मधुबनी-सुपौल आदि मे भेलाक बाद आब नेपाल मे भ रहल अछि.

 सिनेमाक प्रमुख रोल मे क्रांति प्रकाश झा, अनुरिता झा, पंकज झा छथि जे बॉलीवुड मे अप्पन पहिचान बना चुकल छथि. मैथिली रंगमंचक मांजल कलाकार प्रेमलता मिश्र प्रेम सेहो सिनेमा मे देखाय देती. सिनेमाक किस्सा अभिनेता क्रांति प्रकाश क चारु कात घुमैत नज़र आओत. फिल्म मे प्रवेश मल्लिकक संगीत मे सुरेश वाडकर आओर श्रेया घोसालक मधुर गायन अछि. फ़िल्मक सिनेमेटोग्राफर अनुभवी जस्टिन जे चैम्बर्स छथि. फ़िल्मक ट्रेलर जल्दिये देखबा लेल भेटत. एहि सिनेमा सं उमीद कयल जा रहल अछि जे मैथिली फिल्म कें अंतर्राष्ट्रीय पहिचान दबा मे सफल रहत.



फ़िल्मक संबंध मे निर्देशक नितिन चंद्रा कहैत छथि, 'हम अप्पन भाषा भोजपुरी आ मैथिलीमे फिल्म बनेनाय पसंद करैत छी, किएक त तथाकथित पढ़ल-लिखल लोक अप्पन भाषा बिसरी गेलथि, लोक अपना घरमे अप्पन भाषामे गप्प नहि करैत छथि. आन भाषा जेना मराठी, बंगाली, पंजाबी या दक्षिण भारतीय अप्पन भाषा नहि छोड़लनि तैं एहि सिनेमा सभक पहचान अछि।'

0 comments:

Post a Comment