नयी दिल्ली/भागलपुर : वित्त मंत्री अरूण जेटली बीतल गुरु दिन ऐतिहासिक धरोहर विक्रमशिलामे केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलबाक घोषणा केलनि. एहि घोषणा सं प्राचीन धरोहरक विकास होएत.
जेटली राज्यसभामे सांसद भूपेंद्र यादव (बिहार भाजपा प्रभारी) क प्रश्न पर इ घोषणा केलनि. एकरा संग स्कील डेवलपमेंटक लेल सेहो संस्थान खोलबाक घोषणा भेल.
एहि मुद्दा पर भाजपा प्रवक्ता शाहनवाज हुसैन कहलनि जे हुनका द्वारा लोकसभामे 26.8.10 के एहि विषय के उठायल गेल छल. हम सरकार सं प्राचीन विक्रमशिला विविमे केंद्रीय विवि खोलबाक मांग केने छलियै.
संप्रग सरकार एहि विषय पर संज्ञान नहि लेलक, जाहि कारण सं इ ऐतिहासिक स्थल आइयो उपेक्षित अछि. शाहनवाज हुसैन एहि घोषणा पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आओर वित्त मंत्री अरूण जेटलीक प्रति आभार जतेलौनि आ यादव के बधाई देलनि.

0 comments:
Post a Comment