बरौनी/जयनगर : ट्रेन सं यात्रा करनिहार मिथिलावासी लेल एकटा नीक समाद इ अछि जे भारतीय रेलवे क्षेत्रक तीन टा ट्रेनक रूट कें विस्तारित कयलक अछि जाहिमे स्वतंत्रता सेनानी, मौर ध्वज आओर हरिहरनाथ एक्सप्रेस अछि।
स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस जे नई दिल्ली सं दरभंगा धरि जाइत अछि 11 सितंबर सं जयनगर धरि सकरी आओर मधुबनी टीसन पर रुकैत जाएत।
रूट विस्तारक एहि कड़ी मे मौर ध्वज एक्सप्रेस जे जम्मूतवी सं मुजफ्फरपुर धरि जाइत अछि 11 सितंबर सं बरौनी धरि जायत आ अंबाला कैंट सं मुजफ्फरपुर धरि जाय वाली हरिहरनाथ एक्सप्रेस 12 सितंबर सं बरौनी धरि जायत।

0 comments:
Post a Comment