Tuesday, May 12, 2015

भूकंप फेर मचेलक तबाही, नेपालमे 42 आ बिहारमे 30 गोटेक मृत्यु

सीतामढ़ी/पटना : नेपाल लगाएत पूरा उत्तर भारत मे भूकंपक तेज झटका आइ दुपहरियाक 12:38 मिनट पर महसूस कयल गेल। इ झटका तेज छल आ लगभगि एक मिनट सं फ़ाज़िल समय धरि रहल।

एकरा बाद फेर 29 मिनटक बाद दोसर झटका सेहो महसूस कयल गेलै। भूकंपक कारणे अखन धरि भेटल जनतबक अनुसार नेपाल मे 42 आ बिहार मे करीब 30 लोकक मृत्यु भ गेल। भूकंपक केंद्र नेपाल-चीन सीमा पर छल जेकर तीव्रता 7.4 बताओल जा रहल अछि। बीतल 25 अप्रैल के आयल भूकम्प सं बिहार मे 58 गोटेक मृत्यु भेल छल. भूकम्पक बाद प्रभावित क्षेत्र मे बरखा भेल आ रहि-रहि क बूंदा-बंदी भ रहल अछि. एहि प्राकृतिक आपदा मे नेपाल बॉर्डर सं जुड़ल मिथिलाक जिला बेसी प्रभावित अछि. 

बिहारमे भूकंप सं सीतामढ़ी मे 5 गोटेक मृत्यु भ गेल ओतहि दरभंगा आ मुजफ्फरपुरमे 2-2, समस्तीपुर आ पश्चिम चम्पारणमे 1-1 लोकक मृत्यु भ गेल. पटना मे 4, छपरा मे 3, सीवान-गोपालगंज-मधेपुरा मे 2-2 आ नवादा, शेखपुरा, अररिया, किशनगंज, औरंगाबाद आओर वैशाली मे 1-1 गोटेक मृत्यु भ गेल. मृत्युक आंकड़ा आओर बढ़ि सकैत अछि.

0 comments:

Post a Comment