Tuesday, May 12, 2015

एहि बरख शुरू भ जाएत बरौनीक बंद पड़ल बिजलीघर

बरौनी/पटना : बरौनी बिजलीघरक दुनु बंद यूनिटक जीर्णोद्धार आ आधुनिकीकरणक काज अंतिम चरणमे पहुंच गेल अछि। बरखक अंत धरि दुनु यूनिट सं बिजलीक उत्पादन शुरू भ जाएत. एक यूनिटक काज त बेसी सं बेसी तीन महीनामे पूरा होयबबक सम्भावना अछि. एहि काज मे लागल भेल, राज्य सरकार के इ जनतब देलक अछि।


एकरा चालू होयबाक बाद सं राज्य के 220 मेगावाट बिजली भेटय लागत। एहि सं पहिले कांटी बिजलीघरक दुनु यूनिटक जीर्णोद्धार आ आधुनिकीकरणक काज पूरा भ गेल अछि आ ओतहि राज्य के अखन 220 मेगावाटक बिजली भेटि रहल अछि।
बरौनी बिजलीघरक यूनिट 6 आ 7 जर्जर हेबाक कारणे बंद छल आ ओकर जीर्णोद्धार आ आधुनिकीकरणक काज BHEL के देल गेल। एकरा लेल योजना आयोग 581.20 करोड़ रुपयाक स्वीकृति देने छल।
BHEL बतेलक जे बरौनी बिजलीघरक यूनिट 7 क काज जुलाई धरि जखन की यूनिट 6 क काज दिसंबर धरि पूरा भ जाएत जेकरा बाद  बाद एहि सं 220 मेगावाट बिजलीक उत्पादन शुरू भ जाएत।

बरौनी बिजलीघर चालू भेलाक बाद बिहारक दुनु बंद पड़ल बिजलीघर शुरू भ जाएत। राज्यक अप्पन उत्पादन 440 मेगावाट भ जाएत, एहि सं मिथिलाक कम सं कम आधा दर्जन जिलाक बिजली संकट दूर भ जाएत।

0 comments:

Post a Comment