Tuesday, June 2, 2015

पटना हाईकोर्ट मैथिली में शिक्षाक 'ल बिहार सरकार सं 1 जुलाई धरि रिपोर्ट मंगलक

मुजफ्फरपुर/पटना : पटना हाईकोर्ट, मैथिली भाषा के विद्यालयक शिक्षाक माध्यम बनेबा मे सरकार की डेग उठाबय, एकर रिपोर्ट 1 जुलाई धरि मांगलक अछि। मुख्य न्यायाधीश एल नरसिम्हा रेड्डी आ न्यायमूर्ति सुधीर सिंहक खंडपीठ एकटा लोकहित याचिकाक सुनवाई करैत इ निर्देश देलनि।



बता दी जे अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक मुजफ्फरपुर इकाई द्वारा मैथिली के मिथिला आ आन क्षेत्रमे शिक्षाक माध्यम बनेबाक आग्रह कयल गेल अछि। उक्त लोकहित याचिकाक सुनवाई करैत हाईकोर्ट पहिलहु मैथिली मे स्कूली पाठ्य पुस्तक विकल्पक रुपे छापबाक आदेश देने छल।

0 comments:

Post a Comment