दरभंगा : आइ दरभंगा नगर विधायक संजय सरावगी, भारत सरकारक शहरी विकास मंत्री श्री एम . वैकैया नायडू जीक हुनक दिल्ली स्थित कार्यालय मे भेंट क दरभंगा शहर के स्मार्ट सिटी बनेबाक लेल चयनित करबाक आग्रह केलनि आ लिखित मे ज्ञापन सेहो देलनि. बता दी जे एहि सं पहिलहु दरभंगा सांसद, कीर्ति आज़ाद प्रधानमंत्री आ वैकैया नायडू के आग्रह क चुकल छथि।
छात्र संगठन, मिथिला स्टूडेंट यूनियन सेहो दिल्ली मे वैकैया नायडू सं भेंट क दरभंगा-सहरसा-पूर्णिया के स्मार्ट सिटीक लिस्ट मे जोड़बाक जोरदार मांग केने छल. छात्र संगठन बीतल 28 मई सं 2 जून धरि दरभंगा मे सेहो दरभंगा के स्मार्ट सिटी के जोड़बाक मांग केने छल.
वैकैया नायडू, संजय सरावगी सं गप्प करैत कहलनि जे 10 दिनक अन्दर प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एकटा समारोह मे स्मार्ट सिटीक चयनक नीति आ मापदंडक घोषणा करता तखन स्मार्ट सिटी चुनबाक प्रकिया प्रारंभ होएत. दरभंगा क चयनक संबंधमे गंभीरता सं विचार करब.

0 comments:
Post a Comment