मधेपुरा सांसद पप्पू यादव आइ साक्षात्कार देबा लेल बीबीसी हिंदी कार्यालय आएल छलथि, साक्षात्कार पूर्ण भेलाक बाद बीबीसी पत्रकार जे सुशील, हुनका सं लोकगीत गेबाक आग्रह केलखिन जेकरा बाद पप्पू यादव मैथिली लोकगीत गीत गेलनि.
टम टम हमर तूफान
सब कियौ चलै चलू
चलै चलू दाय चलै चलू
चलै चलू बाउ चलै चलू
चलू सिंघेश्वर धाम
सब कियौ चलै चलू
टम टम आइब गेल आधा रस्ता
झिलिया-मुरही-कचरी सस्ता
रोक' हो टम टम मैर गेलौं जान सं
नै जाइब सिंघेश्वर धाम
टम टम हमर तूफान
सब कियौ चलै चलू
चलू सिंघेश्वर धाम
सब कियौ चलै चलू
0 comments:
Post a Comment