Tuesday, June 16, 2015

दरभंगा सं शुरु भेल विमान सेवा

दरभंगा : 15 जून 2015 दरभंगा लेल ऐतिहासिक दिन रहल कियैक तऽ करीब 53 बरखक बाद स्प्रिट एयरलाइंसक यात्री विमान दरभंगा सं दुपहरिया करीब 2:55 बजे कोलकाता लेल उड़ान भरलक। पहिल दिन मात्र 3 टा यात्री छलथि, मुदा डीटीडीएसक अधिकारी कहब छल जे, लोक दरभंगा सं उड़बा लेल तैयार अछि आ हमर टीम हुनका सभ केँ उड़ेबा लेल। बरख 2005 मे रांचीक एकटा कंपनी सेहो दरभंगा सं विमान सेवा शुरु करबा लेल छल मुदा पहिले दिन लैँक करबाक समय विमान दुर्घटनाग्रस्त भऽ गेल छल। खैर, देर सबेर शुरु भेल विमान सेवा सं दरभंगा लगाइत आस-पासक जिला के लोक मे सेहो खुशी देखल जा सकैत अछि। डीटीडीएसक अधिकारीक कहब अछि जे जल्दिये दरभंगा सं दिल्ली लेल सेहो विमान सेवा शुरु होएत।

0 comments:

Post a Comment