दरभंगा : वैदैही सेवा मंचक तत्वावधान मे बीतल काल्हि आकाशवाणी दरभंगा मे पदस्थापित नव पदाधिकारीक अभिनंदन कयल गेल। जय प्रकाश चौधरी जनक कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत कहलनि जे नव पदाधिकारीक पदस्थापन सं आकाशवाणीक कार्यक्रम मे सुधारक आस जागल अछि। कार्यक्रम मे मुख्य अतिथिक रुपे विष्णु कुमार झा कहलनि जे युवा अधिकारीक दरभंगा मे पदस्थापित होएबाक आभास श्रोता के रेडियो सेट पर होबय लागल अछि। अपर समाहर्ता दयानंद झा कहलनि जे आकाशवाणी दरभंगा, मिथिलाक परंपरा आ संस्कृतिक संर्वधनक काज करैत रहल अछि। अभिनंदन सं अभिभूत आकाशवाणी दरभंगाक केँद्र प्रमुख के सी सिँह कहलनि जे कार्यक्रमक गुणवत्ता बना राखब हमर पहिल कर्तव्य अछि आ एकरा लेल हम हरदम तत्पर छी। मौका पर अंजिली कुमारी, दीपक झा, रंधीर ठाकुर, पुष्पेँद्र सौरभ, संतोष कुमार, विजयकांत झा आदि उपस्थित छलथि।
0 comments:
Post a Comment