Friday, August 28, 2015

संगम नगरी, इलाहाबाद मे मैथिली काव्यसंधि आ संगोष्ठी 13 सितम्बर सं

नई दिल्ली/इलाहाबाद : साहित्य अकादमी नई दिल्ली आ मिथिला सांस्कृतिक संगम इलाहाबाद क' संयुक्त तत्वावधान मे आधुनिक मैथिली साहित्य आ पुनर्जागरण विषयक दू दिनी संगोष्टी आ काव्यसंधि कार्यक्रमक आयोजन 13-14 सितम्बर कें सर गंगानाथ झा संस्कृत अनुसंधान संस्थान, आज़ाद पार्क इलाहाबाद मे कयल जाएत. कार्यक्रमक उद्घाटन बनारस हिन्दू विश्वविद्यालयक कुलपति गिरीशचन्द्र त्रिपाठी करताह.



कार्यक्रमक पहिल दिन मैथिली साहित्य आ पुनर्जागरण विषय पर रामदेव झा, अमलेन्दु शेखर पाठक, पंकज पराशर, रामानंद झा रमण, प्रभाष कुमार झा, पंचानन मिश्र, शंकरदेव झा आ योगानंद झा अप्पन विचार रखता.

कार्यक्रमक दोसर दिन काव्यसंधि कार्यक्रम मे हरिश्चंद्र हरित काव्य पाठ करताह आ मैथिली साहित्य आ पुनर्जागरण विषय पर योगानंद झा, ताराकांत झा, नवीन चौधरी, जयशंकर मिश्र, उमारमण झा, मंजर सुलेमान, रेवती मिश्र आ अशोक अविचल अप्पन विचार रखता

दुनू दिन भोर दस बजे सं सांझ 6 बझे धरि मैथिली पोथी विशेष छूटक संग बिक्री लेल उबलब्ध रहत. एहि दू दिनी कार्यक्रम मे वीणा ठाकुर, देवेन्द्र कुमार देवेश, बासुकीनाथ झा, धरणीधर झा, अखिलेश झा आदि उपस्थित रहताह.

0 comments:

Post a Comment