Saturday, November 24, 2012

बनमंखी सऽ पूर्णिया धरि ट्रेनक परिचालन बंद

समस्तीपुर/पूर्णिया : समस्तीपुर रेल मंडल केर सहरसा-पूर्णिया खंड केर बनमंखी-पूर्णिया खंड पर ट्रेनक परिचालन बंद भऽ गेल हँ।21 नवंबर से मेगा ब्लाक लेबाक कारण ट्रेनक परिचालन एकदम सऽ रुकि गेल हँ।रेलवे सऽ भेटल जानकारीक अनुसार सहरसा सऽ बनमंखी धरि के लाइन के पहिनहि छोटी लाइन सऽ बड़ी रेल लाइन मेँ बदलल गेल छल मुदा बनमंखी सऽ पूर्णिया धरि छोटी लाइन छल।वित्तीय बरख 2012-13 केर रेल बजट मेँ बनमंखी सऽ पूर्णिया धरि बड़ी लाइन बिछेबाक स्वीकृति भेटलाक बाद रेलवे केर निर्माण विभाग द्वारा 21 नवंबर सऽ मेगा ब्लाक लेल गेल।लगभगि 31 किलोमीटर पैघ एहि रेलखंड पर बड़ी रेल लाइन बिछाबय केर काज शुरु भऽ गेल अछि आ अगिला मार्च धरि एहि काज के पूरा कऽ लेबाक लक्ष्य अछि।

0 comments:

Post a Comment