दरभंगा : हायाघाट केर विधायक अमरनाथ गामी राज्य केर पर्यटन मंत्री कऽ पत्र भेजि मिथिला लोक उत्सव जानकी नवमी कऽ आयोजित कराबय केर अनुरोध केलैथ हँ।पत्र में विधायक बतौलैथ हँ जे पछिला कतेको बरख सऽ विद्यापति सेवा संस्थान द्वारा मिथिला विभूति पर्व केर आयोजिन स्थानीय एमएलएसएम कालेज परिसर मेँ होइत आबि रहल अछि।एहि बेरक आयोजन 26 सऽ 29 नवंबर धरि होएत।एहि बीच जिला प्रशासन प्रशासन मिथिला लोक उत्सव केर आयोजन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय स्थित नागेँद्र झा स्टेडियम मेँ 1 आ 2 दिसंबर कऽ करय केर घोषणा कयलक हँ।दुनू कार्यक्रम स्थल केर दूरी मात्र 500 मीटरक अछि।एसि सऽ प्रतीत होइत अछि जे इ कार्यक्रम उद्देश्यक पूर्ति लेल नहिँ,मात्रे टा खानापूर्ति लेल कैल जा रहल अछि।अमरनाथ गामी अनुरोध केलैथ हँ जे जानकी नवमी दिन जौँ मिथिला लोक उत्सवक आयोजन होए तऽ ओहि मेँ बेसी से बेसी लोकक जुटान आ मिथिलावासी लेल इ एकटा उपलब्धि होएत।
0 comments:
Post a Comment