Saturday, November 24, 2012

मैथिली भाषाक कवि सम्मेलन संपन्न

जनकपुर : मैथिली भाषाक कवि गोष्ठी शनिदिन जनकपुरमे सम्पन्न भेल अछि।
मैथिली ब्राह्मण समाजक आयोजनामे भेल ओ कवि गोष्ठीमे पठित कवितासभपर समीक्षा सेहो कएल गेल छल।
मैथिलीक बरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवती रमण लालक प्रमुख आतिथ्यमे भेल ओ समारोहमे डा. लालक अतिरिक्त दिगम्बर झा दिनमणि, हिमांशु चौधरी, विजय दत्त मणि, प्रेम विदेह ललन, देवेश्वर लाल मुन्ना, पुनम झा, मनिका झा, विजय मस्त, हस्समुखि कर्ण, नागेश्वर साह, सुजीत कुमार साह, मनोज प्रेमर्षि, शुभ नारायण झा सहितक कवि सभ कविता वाचन कएलन्हि।कार्यक्रमक अध्यक्षता बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली कएलन्हि ।
एहिबीच मैथिलीक साहित्यकार जयनारायण जिज्ञासुक संस्मरणमे जनकपुरमे शोक सभा कएल गेल अछि । मैथिली ब्राह्मण समाजक आयोजनामे भेल ओ सभामे समाजक सल्लाहकार समितिक सदस्य उदिष्ट नारायण झा, राज किशोर झा, शम्भु नाथ झा,प्रमोद नारायण झा, राजेन्द्र झा सहितकवक्तासभ बाजल छलथि।
(रिर्पोट - सुजीत कुमार झा)

0 comments:

Post a Comment