जनकपुर : विद्यापति स्मृति दिवसक अवसर पर सरकार द्वारा गठित विद्यापति पुरस्कार कोष सोमदिन पुरस्कारक घोषणा कएलक । घोषणा कएल गेल पुरस्कारमे दू लाखक एकटा आ एक–एक लाखक ४ टा रहल अछि ।
दू लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ राम भरोष कापड़िकेँ देवाक निर्णय कएल गेल अछि ।
तहिना नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार मैथिलीक चर्चित नाटककार महेन्द्र मलंगियाकेँ, नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार डा. योगेन्द्र प्रसाद यादवकेँ, नेपाल विद्यापति मैथिली अनुवाद पुरस्कार पंडित सूर्य कान्त झा आ नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डूलिपी पुरस्कार विराटनगरक राम नारायण सुधाकरकेँ देवाक निर्णय कएल गेल पुरस्कार कोषक सदस्य सचिव श्याम सुन्दर शशि जानकारी देलन्हि अछि ।
चारि टा पुरस्कार एक–एक लाखक रहल अछि ।
(रिपोर्ट - सुजीत कुमार झा)

0 comments:
Post a Comment