Tuesday, November 27, 2012

मिथिलाक कलाकार सम्मानित

मधुबनी : जानकी सेना द्वारा विद्यापति स्मृति समारोहक अवसरि पर सोमदिन कलाक क्षेत्र में मिथिला में महत्वपूर्ण भूमिका र्निवहन करय वला कलाकार केँ मिथिला प्रतिभा सम्मान से सम्मानित कैया गेल। पुरस्कृत होय वला में गायनक क्षेत्र में प्रवीण कुमार मिश्रा आ काजल दत्ता, वादन में बासुरी वादक जटाधर पासवान, तबला वादन में रविशंकर मिश्रा, पैड वादन में प्रशांत कुमार मेहता, फिल्म निर्माण आ निर्देशन में अजय यश आ उद्घोषकक रुपे राजू कुमार राज छलैथ।एहि मौका पर जानकी सेनाक मुख्य संरक्षक मृत्युंजय झा कहलैथ जे मिथिलाक कलाकार मिथिला रत्‍‌न छैथ।जानकी सेना आबय वला समय सेहो कलाकार केँ प्रोत्साहन करैत रहत।मौका पर जानकी सेनाक अध्यक्ष मिहिर कुमार झा, जितेन्द्र झा, सत्येन्द्र सिंह, कमल मंडल, जगतानंद झा, विनोद पमनानी, राजीव अग्रवाल, मंगलानंद झा, विद्यानंद ठाकुर, अजय मिश्रा, कन्हैया झा आ दिल्ली नगर निगम के चेयरमैन राम दयाल महतो आदि उपस्थित छलैथ।

0 comments:

Post a Comment