Tuesday, November 27, 2012

कोना भेलै हमर एहन भाग यौ पाहुन मोरे

दरभंगा : मिथिला विभूति पर्व समारोहक पहिल दिनक उद्घाटन समारोहक शुरुआत ममता ठाकुर द्वारा प्रस्तुत गोसाउनिक गीत 'जय जय भैरवि असुर भयाउनि' सऽ भेल।एकरा बाद अतिथि लोकनि- अश्विनी कुमार चौबै,विनोद नारायण झा,संजय सरावगी,जीएस गंगवार,एसपी सिँह,ध्रुव कुमार आदि संबोधित केलैथ।एकरा बाद सुषमा झा 'मंगलमय दिनु आजु हे' प्रस्तुत केलैथ।एकरा बाद मधुरोपासक कवि स्नेहलताक गीत लऽ पहुंचल कन्हैया ठाकुर आ ओमप्रकाश सिँहक जोड़ी 'कोना भेलै हमर एहन भाग यौ पाहुन मोरे' गाबि के वातावरण के कारुणिक रुप देलैथ।एकरा बाद विभा झा,राकेश किरण झा,कृष्णानंद मिश्र,प्रीति झा,सज्जन कुमार,अविनाश कुमार कर्ण,वंदना कुमारी आदि केर मनमोहक प्रस्तुति जारी रहल।संगत कलाकार मेँ रमेश कुमार मल्लिक,सुधीर कुमार मिश्र,कृष्णा झा,इंद्रकांत झा,हीरा झा,शिव कुमार महतो आदि शामिल छलैथ।

समारोह मेँ विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा॰ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलैथ जे मिथिला-मैथिलीक समग्र विकासक लेल एकजुट प्रयासक जरुरति अछि।ओ कहलैथ जे अखन धरि केँद्र आ राज्य सरकार मिथिलाक संगे धोखा टा केलक हँ।मैथिली आ मिथिलाक जे विकास होएबाक चाही ओ नहिँ भेल हँ।एकरा लेल पृथक राज्यक गठन जरुरी अछि।नगर विधायक संजय सरावगी समारोहक दौरान सेहो पृथक राज्यक मुद्दा उठौलैथ।

बेनीपट्टी विधायक विनोद नारायण झ मिथिलाक पिछड़ापन लेल राजनेताक संग मैथिल के दोष देलैथ।ओ कहलैथ जे बिहार गीत मेँ मिथिलाक संगे घोर उपेक्षा भेल आ हम एकर विरोध तक नहीँ केलौ, इ स्थिति बहुत भयावह अछि।बिहार गीत पर जमि के प्रहार करैत विधायक कहलैथ जे जनक,याज्ञवल्कय,लोरिक­,सलहेश,दीना-भद्रिक आदि महापुरुष केर अनदेखी कऽ मिथिला के दरकिनार कऽ देल गेल।ओ कहलैथजे सीएम केर पद पर बहुतो लोग बैसला मुदा एहि क्षेत्रक विकास लेल कियौ नहिँ सोचला।

वयोवृद्ध साहित्यकार चन्द्रनाथ मिश्र अमर मिथिला क्षेत्र मेँ मातृभाषा मेँ शिक्षाक मुद्दा उठौबैत कहला जे महात्मा गांधी संगे अधिकांश शिक्षा शास्त्री मातृभाषा मेँ शिक्षाक पक्षधर रहला हँ।

समारोहक पहिल दिन स्व॰ दरबारी दास,प्रो॰ शिवाकांत पाठक,डा॰ वीणा ठाकुर,रमाकांत राय रमा,चंद्रमोहन झा,सौर्या साह के मिथिला विभूति सम्मान सऽ सम्मानित कैल गेलन।इ सम्मान हिनका लोकनि केँ मिथिला आ मैथिल के विभिन्न क्षेत्र मेँ नीक काजकरय लेल देल।

समारोह मेँ मैथिली अकादमी द्वारा बुक स्टाल लगाओल गेल हँ,जेकर बिक्री जोरदार भेल हँ।मैथिली अकादमीक अध्यक्ष कमलाकांत झा बतौलैथ जे स्टालक लेल पटना सऽ बहुतो किताब मंगाओल गेल हँ।एकटा अन्य स्टाल त्रिदेव प्रिँटर्स द्वारा लगाओल गेल हँ।

आइ भोर साढ़े दस बझे से विचार गोष्टीक आयोजन भेल जाहि मेँ वक्ता लोगनि अपन बात रखला।गोष्टीक विषय छल मिथिलाक इतिहास।आइ राति मेँ कवि सम्मेलनक आयोजन अछि,जाहि मेँ नेपालक कवि लोकनि के भाग लेबाक संभावना अछि।

एम्हर राज्य सरकार द्वारा विद्यापति केर पुण्य तिथि के राजकीय समारोह घोषित कैल जयबा पर कार्यकर्ता लोकनि मेँ जोश दुगुन भऽ गेल हँ।

0 comments:

Post a Comment