बेगूसराय : कार्तिक पूर्णिमा कऽ लऽ कऽ सिमरिया गंगा स्नान करबा लेल मंगलदिन सऽ श्रद्धालुक भीड़ जमय लागल। बेगूसराय बस स्टैंड, स्टेशन, बरौनी जंक्शन पर सिमरिया पहुंचय बला श्रद्धालु केर भीड़ मंगलदिन भोरे सऽ देखल गेल। बता दी जे कार्तिक पूर्णिमाक दिन सिमरिया में गंगा स्नान कऽ लऽ स्नानार्थी लोकनिक भारी भीड़ जमल अछि। नहिँ सिर्फ बेगूसराय जिलाक विभिन्न इलाका सऽ, बल्कि सुपौल, सहरसा, मधेपुरा, समस्तीपुर, दरभंगा आदि जिला सऽ गंगा स्नान कऽ लऽ हजारों श्रद्धालु प्रतिवर्ष कार्तिक पूर्णिमाक दिन सिमरिया पहुंचैत छैथ।
0 comments:
Post a Comment