एक करोड़ टकासँ कम लागत केर उद्योगक स्थापना लेल पहल शुरू भऽ गेल अछि। पहिल चरणमें सुलिंदाबादमें मक्का आधारित आ दिवारीमें राईस मिल केर स्थापना कएल जाएत। इ निर्णय शनिदिनके जिलापदाधिकारी मिसबाह बारीक अध्यक्षतामें आयोजित विंडो क्लीयरेंस कमेटीक बैठकमें लेल गेल।
बैठकमें उपस्थित जिला उद्योग केन्द्रक महाप्रबंधक आरके ठाकुर कहलाह की किसान द्वारा उत्पादित मक्काक उपयोग आब प्रमंडल क्षेत्रमें ही संभव भऽ सकत। पहिलबेर कोसी वेवरेज एवं फूड प्राइवेट लिमिटेड द्वारा मक्का उद्योग स्थापित करएक कार्रवाई कएल जा रहल अछि। स्थापित होबएबला उद्योगमें मक्का उत्पादन सँ लेकऽ खरीद तक केर व्यवस्था रहत। आ एहिं उद्योग सँ मुर्गीचारा आ पशुआहार संपूर्ण देशमें निर्यात कएल जाएत। ओ जनओलाह की दिवारीमें राईस मिल लगाबएक सेहो प्रस्ताव अछि जेहिंपर कमेटी द्वारा स्वीकृति दऽ देल गेल अछि।
0 comments:
Post a Comment