Sunday, August 26, 2012

मैथिलीक उपेक्षाक बदलामें विधाएक लिकनिकें देल जाओत गुलाबक फूल

झारखंडमें मैथिलीकें दोसर राजभाषाक दर्जा देयाबएलेल ‘अंतरराष्ट्रीए मैथिली परिषद’ अनूठ आंदोलनक तैयारी कए रहल अछि। परिषदक लोगसभ आंदोलनक पहिल चरणमें राज्यक सभटा विधायक, मंत्री आ सांसद के अलाबा सभटा राजनीतिक दलक अध्यक्ष लोकनिकें मैथिली जकाँ भाषाक उपेक्षा सहन केर पुरुषार्थ लेल धन्यवाद देइत गुलाबक फूल आ ज्ञापन थमओताह। एहिं आंदोलनक शुरुआत सोमदिनकें ईचागढ़क विधायक अरविंदसिंह सँ कएल जाएत। सबेरे आठिं बजे परिषदक लोगसभ हुनक आवास पर जाकए हुनका गुलाबक फूल आ ज्ञापन थमओताह। इ सभटा जानकारी रविदिनकें मीडिया सेंटरमें आयोजित पत्रकार वार्तामें परिषदक पदाधिकारी लोकनिं देलाह। ओ बुझओलाह की ज्ञापन थमाकए इ कामना कएल जाएत की जनप्रतिनिधी लोकनिक पुरुषार्थ जगए आ 50लाख मैथिली भाषीसभक भावनाक सम्मान करैत हुनकामें साहस आबए आ उ सभ सदन केर भीतर मैथिलीकें द्वितीय राजभाषाक दर्जा देयाबएलेल आवाज बुलंद कए सकताज। इ आंदोलन विधानसभाक मानसून सत्र 30 अगस्त सँ पहिनही पूरा कएलेल जाओत। परिषदक प्रदेश, जिला शाखा केर पदाधिकारी आ कार्यकर्ता एहिं आंदोलनके सफल बनओताह। पत्रकार वार्ताके अध्यक्ष लक्ष्मण झा, महासचिव प्रमोद झा, कोषाध्यक्ष अमलेश झा, राष्ट्रीय कार्यसमिति सदस्य अशोक अविचल, कोल्हान संगठन मंत्री डॉ. रवीन्द्र चौधरी आर संबोधित कएलाह।

0 comments:

Post a Comment