Saturday, August 25, 2012

'पिलपिलहा गाछ' के भेटत बाल साहित्य सम्मान 2012

मैथिलीक रचनाकार डा॰ मुरलीधर झा के हुनकर बालकथा संग्रह 'पिलपिलहा गाछ' के साहित्य अकादेमी 2012 केर बाल साहित्य सम्मान देल जाओत।जूरी के तीनू टा सदस्य मोहन भारद्वाज,भाग्य नारायण झा आ महेँद्र नारायण कर्ण हिनक चयन केलैथ हँ।साहित्य अकादमीक मैथिलीक प्रतिनिधि विद्यानाथ झा विदित केर संयोजन मेँ जूरीक बैसार भेल छल हँ।डा॰ झा एमएलएसएम कालेज मेँ मैथिली विभागक सह प्रोफेसर छैथ।डा॰ झाक चयन पर मिथिलाक साहित्यकार मेँ बहुत प्रसन्नता देखल जा रहल अछि।डा॰ झा के पुरस्कारक रुप मेँ प्रतीक चिन्ह आ पचास हजार रुपया बतौर सम्मान भेटत।

0 comments:

Post a Comment