गोड्डा: अलग मिथिलाराज्यक मांग लऽकऽ बृहस्पतदिनकें अन्तरराष्ट्रीए मैथिली परिषदक तत्वावधानमें विद्यापति भवन परिसरमें स्वतंत्रता सेनानी महेश्वर झाक अध्यक्षतामें संताल परगना स्तरीय सम्मेलनक आयोजन कएल गेल।जतएकी परिषदक अंतर्राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ.धनाकर ठाकुर, प्रांतीय अध्यक्ष ओम प्रकाश मिश्र, वैद्यनाथ समितिक कोषाध्यक्ष अरुण कुमार झा आ उत्तरी छोटानगपुरक संगठन मंत्री प्रवीण कुमार झा आर मुख रूप सँ भाग लेलाह।
मौका पर अंतर्राष्ट्रीए अध्यक्ष डॉ. ठाकुर कहलाह की झारखंड आ बिहारमें सभसँ बेसी मैथिली भाषा-भाषी केर संख्या अछि। ओकरा बादों झारखंड सरकार मैथिली साथें सौतेला व्यवहार कए रहल अछि। मैथिलीके दोसर राजभाषाक दर्जा एखन धरि नञिं देल गेल अछि। साथे-साथ पहिनएं जेहिं कालेजमें मैथिलीक पढ़ाई होइत छल, वहओ बन्न कए देल गेल अछि। जेहिं प्रदेशमें सभसँ बेसी लोकनि द्वारा बोलए जाएबला मैथिलीभाषके सम्मान दियाबएलेल क्षेत्रक लोगसभके जागरूक होबएक आवश्यकता अछि।
एकरा अलाबा जागरूकतालेल हस्ताक्षर अभियान चलेनाए, पारिवारिक सर्वे करेनाए, मतदाता जागरूकता अभियान चलेनाए जेकी मैथिली भाषाक तिरस्कार करएबला जन प्रतिनिधी सभकें चिह्नित करनाए, एस॰पी॰टी॰ एक्टमें संशोधन करनाए आर बिषयसभ पर विस्तृत चर्चा कएल गेल। एहिं अवसर पर अनिल कुमार झा, पं.काशीनाथ मिश्र, नरेन्द्र कुमार झा, विधुकर झा, विनय कुमार ठाकुर, सर्वजीत झा, नन्दन ठाकुर,सुनील कुमार झा, शिशिर कुमार झा, सुभाष चन्द्र चौधरी, उदयकांत शुक्ला, शिवशंकर झा, पवन कुमार झा, प्रवीण कुमार झा, परमानन्द चौधरी, जवाहरलाल झा आर उपस्थि छलाह।
0 comments:
Post a Comment