Thursday, August 23, 2012

मिथिला राज्यः संसंदके समक्ष धरना

पृथक मिथिला राज्यक मांग लऽ कऽ 'अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति' बुधदिनकें संसद समक्ष प्रदर्शन कएलक। एहिं अवसर पर समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष बैधनाथ चौधरी कहलाह की मिथिला के सामाजिक आर्थिक सांस्कृतिक शैक्षिक विकास लेल अलग राज्य बनाबएक आवश्यक्ता अछि। ओ सभटा मिथलावासी सं भेदभाव बिसरि एकजुट भऽ कऽ मिथिला राज्य लेल संघर्ष करएक आवाहन कएलाह। एहिं अवसर पर प्रमुख रूप सँ अवधेश कुमार, लाल जी, रमेश जी, राजू गुप्ता, उमाशंकर गुप्ता, किेशोर चौधरी आर उपस्थित छलाह।

0 comments:

Post a Comment