Wednesday, August 22, 2012

वरुणा सऽ रसियारी धरि बनत एसएच 88

बिहार सरकार दरभंगा-समस्तीपुर के एकटा और सड़कक स्वीकृति दऽ देलक हँ।इ सड़क राज्य उच्च पथ-88 के नाम सऽ जानल जाओत,इ सड़क वरुणा पुल(सरायरंजन) सऽ रसियारी(घनश्यामपुर) धरि दू लेनक सड़क बनत।अय सड़कक बनला सऽ सबसे बेसी फायदा दलसिंहसराय के होयत जतय वाहन केर भारी दबाब कम होयत।अय सड़कक बनला सऽ एक दिस आवागमन सुलभ भऽ जाओत आ दोसर दिस लोक सभक आर्थिक विकासक मार्ग के इ सड़क प्रशस्त करत।पछिला पांच दशक सऽ सड़कक मामला मेँ पिछड़ल अहि क्षेत्रक किस्मत खुलि जाओत।अहि स्टेट हाइवे केर लंबाई 120.90 किलोमीटरक होयत।इ सड़क समस्तीपुरक 58 आ दरभंगाक 43 टा गाम होयत जाओत।सड़क निर्माण आ भूमि अधिग्रहण पर लगभग 8 अरब 35 करोड़ रुपया खर्चाक संभावना अय।बिहार स्टेट रोड डेवलपमेँट कारपोरेशन लिमिटेड अय सड़कक लेल अपन मंजूरी दऽ देलक हँ।अक्टूबर माह सऽ शुरु होयत सड़कक काज ताहि लेल टेँडर निकाओल जा रहल अछि।

0 comments:

Post a Comment