मिथिलाक सहरसा जिलाक 42 वर्षीय वैज्ञानिक डा0 बबल कांत झा कें विज्ञानक क्षेत्रमें अंतरराष्ट्रीए माइलस्टीन युवा इन्वेस्टीगेटर अवार्ड 2012 देबएक घोषणा कएल गेल अछि। डा0 बबल अमेरिकाक ओहियो स्थित कलीवलैंड क्लिनिक लर्नर रिसर्च इस्टीच्यूटक डिर्पाटमेंट आफ कैंसर बायलोजी क्लीवलैंड क्लिनिकमें रिसर्च स्कालर छथिं।
डा0 झाकें इ पुरस्कार 11 सितम्बरकें इन्टरनेशनल सोसाईटी आफ इन्टर फौरेन एण्ड साइकोटिन रिसर्च केर वार्षिक अधिवेशनमें देल जाओत।
डा0 झा जेएनयू सँ बायोकेमेस्ट्री आ संरचना बायोलाजीमें 1998में एम॰ फिल॰ आ 2005में पीएचडी केर डिग्री नेने छलाह। हुनक शोध वायरस आ कैंसर केर विरूद्ध काम करएबला तत्व पर आधारित छन्हिं। डा0 बबलकांत झा आईकाल पेंसिलवेनिया विश्वविद्यालयक प्रोफेसर सुशान आर॰ विश साथे माउस कोरोना वायरस पर शोध कए रहल छथिं।
डा0 बबलकांत झा मिथिलाक सहरसा जिलाक दाही-प्रणत महिषी गामक रहबासी छथिं। हुनक प्राथमिक शिक्षा गामएमें भेलन्हिं। ओ सहरसा जिला स्कूल सँ मएट्रिक कएने छलाह। बादमें दिल्ली स्थित जामिया मिलिया इस्लामिया विश्वविद्यालय सँ बायोकेमेस्ट्रीमें पोस्ट गे्रजुएट केर उपाधि नेने छलाह।
इ महापुरूषकें धन्यवाद करएलेल एकटा कामेन्ट आवश्य करू।
1 Comment = 10 salute
0 comments:
Post a Comment