Tuesday, August 21, 2012

कोसी मेँ समाओल 133 टा घर

मधेपुर प्रखण्डक गढ़गांव पंचायत मेँ कोसीक कछेर मेँ बसल लोक सभ अखन जलस्तर मेँ कमीक बाद तेजी सऽ भऽ रहल कटावक कारण दहशत मेँ छैथ।बीतल दू सप्ताह मेँ 133 टा घर के कोसी नदी लील लेतैथ हँ।अखनो दर्जनोँ घर मेँ कटाव जारी अय।कटाव तेज होयबाक कारणे लोकसभ अपन घर-आंगन छोड़ि सुरक्षित जगह पलायन कऽ रहल छैथ।मधेपुरक अंचलाधिकारी रविशंकर पांडेय उच्चाधिकारी सभ के हालात सऽ अवगत करौलैथ हँ एकरा बावजूद अखन धरि जिला प्रशासन द्वारा कोनो टा डेग नहिँ उठाओल गेल हँ।गढ़गाव पंचायत मुखिया सेहो जिला प्रशासन सऽ प्रशासनिक पहल करय लेल कहलैथ हँ।एम्हर सीओ जिला आपदा प्रबंधन पदाधिकारी आ एसडीओ झंझारपुर से मददि मंगलैथ हँ मुदा अखन धरि प्रशासन कोनो टा डेग नहिँ उठौलक हँ।

0 comments:

Post a Comment