Friday, August 31, 2012

मिथिलामें महावीर कएन्सर अस्पताल

भागलपुरमें जल्दीए कैंसर अस्पतालक स्थापना होएत। मिथिलाक मरीज सभके कैंसरक इलाज लेल बाहर जाएक जरूरत नञिं परत। इ सभटा गप्प रविदिनके एकटा संवाददाता सम्मेलनमें महावीर कैंसर संस्थान, पटनाक निदेशक पद्मश्री डॉ. जितेन्द्र कुमार सिंह कहलाह। ओ कहलाह की क्षत्रिए युवा मंच केर अनुरोध पर जिलामें दुर्गापूजाके बाद कैंसर रोगीसभ लेल मुफ्त चिकित्सा शिविरक आयोजन कएल जाएत। रोगीसभके खएराती दवाई सेहो देल जाएत। शिविरमें देश-विदेशक प्रसिद्ध चिकित्सक सेहो शामिल होताह। निदेशक बढैत कैंस रोग पर प्रकाश दैत कहलाह की यदि युवतीसभके टीका देल जाए तऽ हुनला म्याँ बनलाक बाद कैंसरक खतरा नञिं रहत। प्रेस वार्तामें मंच केर संयोजक डॉ. राजीव कुमार सिंह, संरक्षक राज किशोर सिंह, पार्षद रंजन सिंह, सचिव हर्ष कुमार सिंह, विश्वजीत, उत्तम, मनोरंजन, प्रशांत, विनोद, चितरंजन, कृपांशु, संजय आ शंकर सहित आन लोकनि शामिल छलाह।

0 comments:

Post a Comment