बिहार विधान परिषदक पूर्व सभापति आ वरीय अधिवक्ता ताराकांत झा राज्य सरकार से मैथिली भाषाक पढ़ाई कक्षा एक सऽ शुरु करबाक मांग कयलैथ हँ,संगे ओ सरकारी स्कूल सभ मेँ मैथिलीभाषी शिक्षकक बहाली करबाक मांग कयलैथ हँ।एकरा लेल ओ मिथिलावासी सऽ सरकार पर दबाब बनाबय के अपील कयलथ हँ।श्री झा कहलैथ जे सरकार यदि ऐना करत तऽ पटना उच्च न्यायालय के फैसलाक अवमानना सऽ बचि जाओत।ओ कहलैथ जे बिहार सरकार संविधान के आबय से बहुत पहिने मैथिली के मिथिला क्षेत्र मेँ मातृभाषा के रुप मेँ स्वीकार कैल गेल छल।बिहार सरकार के चाही जे ओ जल्द से जल्द मातृभाषा मेँ मैथिलीक माध्यमेँ मिथिला मेँ शिक्षाक व्यवस्था करय।श्री झा बतौलैथ जे 26 जून 1950 के तत्कालीन बिहार सरकार एकटा अधिसूचना जारी कयने छल जकरा मुताबिक मैथिली भाषा के सरकारी विद्याल मेँ मातृभाषाक रुप मेँ मंजूरी देल गेल छल,एकरा बाद सरकार 1973 आ फेर 1986 मेँ मैथिलीक माध्यमेँ मातृभाषा पढ़ाबय लेल सभटा विद्यालय आ पदाधिकारी के सूचना दयने छल।
0 comments:
Post a Comment