Tuesday, September 11, 2012

मिथिला राज्यक लेल सहरसा आयुक्त कार्यालयक समक्ष धरना

मिथिला राज्य केर मांग कऽ लऽ बीतल काल्हि सहरसाक आयुक्त कार्यालयक समक्ष एकदिवसीय धरना देल गेल।धरनाक अध्यक्षता पूर्व विधायक संजीव कुमार झा कयलैथ।अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अंर्तगत भेल धरना के संबोधित करैत समितिक राष्ट्रीय अध्यक्ष बैजनाथ चौधरी बैजू कहलैथ जे मिथिला राज्य समयक मांग अछि,देश मेँ आजादीक बाद जे किछु विकास भेल हँ ओय से सभटा क्षेत्र एकसमान लाभान्वित नहिँ भेल हँ।जे राज्य पहिने विकसित छल ओकरे आओर विकसित कैल गेल आ अविकसित क्षेत्रक स्थिति दिनानुदिन बदतर भेल गेल।मिथिला राज्यक निर्माण कऽ अय क्षेत्र के आर्थिक दृष्टिये स्वाबलंबी आ गौरवशाली बनौनाय हमर लक्ष्य अय।वक्ता सभ अपन संबोधन मेँ कहलैथ जे एनएच 57 बनलाक बाद विभक्त मिथिला एक भऽ गेल हँ,अय भौगोलिक एकीकरण से आब मिथिला राज्य बनला पर एकर आर्थिक,सामाजिक,भाषिक आ सांस्कृतिक विकास कम समय मेँ होय के प्रबल संभावना बनि गेल हँ,संगे वक्ता सभ प्रधानमंत्री आ गृहमंत्री से मांग कयलैथ जे मिथिला के अलग राज्यक दर्जा दऽ मिथिलावासी के चिरप्रतीक्षित कामना के जल्द से जल्द पूर्ण कैल जाय।अय धरना मेँ सैकड़ो मिथिला राज्यक समर्थक उपस्थित छलैथ।

0 comments:

Post a Comment