Wednesday, September 12, 2012

आगामी 13 सितंबर के सकरी रेलवे जंक्शन पर विशाल धरना

आगामी 13 सितंबर के क्षेत्रीय विकास संघर्ष समिति,सकरी केर तत्वाधान मेँ अप्पन 11 सूत्री मांग लऽ सकरी रेलवे जंक्शन पर विशाल धरनाक आयोजान कैल जाओत।अहि मेँ मुख्य वक्ता डा॰ बैजनाथ चौधरी बैजू आ विशिष्ट अतिथि डा॰ बुचरु पासवान हेतैथ।11 सूत्री मांग मेँ सकरी के अनुमंडल बनाओल जाय,सकरी चीनी मिल चालू करबा लेल,सकरीक सरकारी अस्पतालक के जीर्णोद्दार करबा लेल,सकरी-निर्मली-लौकहा-झंझारपुर रेलखंड के बड़ी रेलखंड मेँ बदलबा लेल आ प्रस्तावित समस्तीपुर-दरभंगा दोहरी रेलखंडक जयनगर तक विस्तार करय के मांग प्रमुख अछि।इ जानकारी संघर्ष समिति के संयोजक संगे पूर्व मध्य रेल समस्तीपुरक रेलवे उपभोक्ता सलाहकार समिति के सदस्य नरेँद्र झा देलैथ हँ।

0 comments:

Post a Comment