बीतल काल्हि बेगूसरायक बछवाड़ा जंक्शन लग दिनक 11:15 बजे दानापुर-जयनगर इंटरसीटी एक्सप्रेसक दू टा बोगी पटरी से उतरि गेल जाहि कारणवश दर्जनोँ यात्री घायल भऽ गेलैथ हँ जिनका नजदीकक अस्पताल मेँ भर्ती कराओल गेल हँ।घटनाक बाद बछवाड़ा-समस्तीपुर आ बछवाड़ा-हाजीपुर रेलखंड पर परिचालन घंटो धरि बाधित रहल।बछवाड़ाक स्टेशन अधीक्षक सुधीर रायक संगे आरपीएफ,जीआरपी,बीडीओ आ थानाध्यक्ष घटनास्थलक दौरा केलैथ।घटनाक कारणे 53132 मुजफ्फरपुर-सियालदह,55538 समस्तीपुर-कटिहार,15210 अमृतसर-सहरसा संगे बहुतो गाड़ी जतय-ततय ठाढ़ रहल।रेल अधिकारी सभ अखन धरि किछु बतायबा से बचि रहल छैथ।
बता दी जे 13226 अप दानापुर-जयनगर इंटरसीटी दिनक सवा ग्यारह बजे बछवाड़ा से दलसिँहसरायक लेल प्रस्थान केलक।स्टेशन से कनिके आगू ट्रैक बदलबाक स्थान,कैची मोड़ पर बोगी संख्या 08152 एसी आ गार्ड बोगी 92725 पटरी से उतरि गेल।चालक खतरा के भपैँत गाड़ी के तुरंत रोकि देलक,जाहि से एकटा पैघ दुर्घटना होबय से बचि गेल।घंटो बाद दुर्घटनाग्रस्त दुनू बोगी के छोड़ि रेल अपन गंतव्य दिस प्रस्थान केलक।

0 comments:
Post a Comment