पूथक राज्य बिना मिथिलाक विकास असंभव अछि,इ बात अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर महासचिव डा॰ बैजनाथ चौधरी बैजू बीतल काल्हि दरभंगाक कुशेश्वरस्थान प्रखण्ड मुख्यालय पर मिथिला राज्यक मांग के लऽ आयोजित एकदिवसीय धरना के संबोधित करैत कहलैथ।धरना के संबोधित करैत मणिकांत झा कहलैथ जे मिथिला राज्यक लेल सभ लोककेँ दलगत भावना सऽ ऊपर उठि के एकजुटता से संघर्ष करबाक चाही।बुचरु पासवान अपन संबोधन मेँ मिथिला मेँ दस हजार से बेसी पोखैर पर कहलैथ जे मिथिला राज्य बनलाक बाद एतेक रास पोखैर से बहुतो रोजगार उपजत जाहि से मैथिल के रोजी-रोटी लेल आन प्रदेश नहिँ जाय पड़तन।कार्यक्रमक अध्यक्षता बाबूकांत चौधरी कैलैथ।धरना मेँ सैकड़ो मिथिला राज्यक प्रेमी उपस्थित छलैथ।
0 comments:
Post a Comment