Showing posts with label टेक. Show all posts
Showing posts with label टेक. Show all posts

Saturday, June 21, 2014

माइक्रोमैक्स अनलक एकटा आओर मैथिली भाषा मे एंड्राइड फोन

मुजफ्फरपुर / नई दिल्ली : करीब मास भरि पहिले माइक्रोमैक्स यूनाइट 2 स्मार्टफोन भारत मे लांच केने छल जे मैथिली भाषा केँ सेहो सर्पोट करैत अछि, एकरा बाद फेर माइक्रोमैक्स एकटा आओर मैथिली भाषा(लगाइत 20 टा आओर भाषा) मे सर्पोटेबल एंड्रायड फोन लांच केलक अछि, फोनक नाम अछि यूनाइट A092 ! इ फोन आनलाइन स्टोर फिल्पकार्ट पर 6250 रूपया मे उपलब्ध अछि।

एहि दुनू फोनक सभसं प्रमुख गप्प मिथिलावासी लेल इ अछि जे मैथिली भाषा मे एकर लिपि तिरहुतिया लिपि क प्रयोग कएल गेल अछि।
विशेष जनतब :
# प्लेटफार्म : एंड्रॉयड 4.3
# डिस्प्ले : 4.0 इंच, 800x480 पिक्सल्स का डब्ल्यूवीजीए आईपीएस डिस्प्ले
# प्रोसेसर : 1.20 जीएचजेड क्वॉडकोर स्नैपड्रैगन 200 प्रोसेसर
# मेमोरी : 1जीबी रैम, 8 जीबी इंटर्नल मेमोरी जेकरा 32 जीबी धरि बढ़ाएल जा सकैत अछि, माइक्रो एसडी कार्ड स्लॉट
# कनेक्टिविटी : डुअल सिम (डुअल स्टैंडबॉय), 4.0ब्लूटूथ, 802.11 बी/जी/एन वाई-फाई, 3-जी सपोर्ट
# कैमरा : 5.0 मेगापिक्सल्स मुख्य कैमरा एलईडी फ्लैश क संग, 0.3 मेगापिक्सल्स फ्रंट कैमरा
बैटरी : 1500 एमएएच एमएएच पॉवर

Thursday, June 12, 2014

मिथिला बनय अलग राज्य : विहंगम

पटना : अखिल भारतीय अनुसूचित जाति आ अनुसूचित जनजाति विकास संघक कार्यकारिणी क एकटा बैसार बीतल बुध गत्ते भेल जाहि मे सर्वसम्मति सं इ निर्णय लेल गेल जे 29म राज्य तेलांगाना जेँका बिहार सं पृथक मिथिला राज्य बनबाक चाही। बैसारक अध्यक्षता करैत डा॰ बिलट पासवान विहंगम कहलनि जे छोट राज्य बनला सं मिथिलाक संपूर्ण विकास होएत।

Sunday, October 21, 2012

बीएसएनएल लांच कयलक एंड्रायड टैबलेट

भारत संचार निगम लिमिटेड(बीएसएनएल) केर मददि से पेँटल टेक्नालाजी बाजार मेँ नबका एंड्रायड टैबलेट लांच कयलक हँ।टी पैड डब्लूएस703सी नाम से लांच केल गेल एहि टैबलेट मेँ 7 इंचक 3डी कैपेसिटिव टच स्क्रीन देल गेल हँ।एहि टैबलेट केर सबसे खासियत इ अछि जे इ भारत मेँ लांच भेल पहिल टैबलेट अछि जाहि मेँ ड्यूअल सिम केर सपोर्ट अछि।किफायती दाम मेँ लांच कैल गेल पेँटल टी पैड मेँ 4 जीबी इंटरनल स्टोरेज,512 एमबी केर रैम,32 जीबी एक्सपेँडल मैमोरी,1.2 गीगाहर्ट कार्टेक्स ए8 प्रोसेसर,2 जी सिम स्लाट,3 जी डांगल सपोर्ट देल गेल अछि।कंपनीक कहब अछि जे टैबलेट मेँ 3डी सपोर्ट अछि,जाहि से उपयोगकर्ता के एकटा नव अनुभव भेटत।लो कास्ट केर बावजूद टैबलेट मेँ फ्रंट कैमरा,रियर कैमरा, एचडीएमआइपोट,एक्ट्रा लाग बैटरी के सुविधा देल गेल अछि।एकर कीमत अछि 6,999 रुपया।