Saturday, June 21, 2014

माइक्रोमैक्स अनलक एकटा आओर मैथिली भाषा मे एंड्राइड फोन

मुजफ्फरपुर / नई दिल्ली : करीब मास भरि पहिले माइक्रोमैक्स यूनाइट 2 स्मार्टफोन भारत मे लांच केने छल जे मैथिली भाषा केँ सेहो सर्पोट करैत अछि, एकरा बाद फेर माइक्रोमैक्स एकटा आओर मैथिली भाषा(लगाइत 20 टा आओर भाषा) मे सर्पोटेबल एंड्रायड फोन लांच केलक अछि, फोनक नाम अछि यूनाइट A092 ! इ फोन आनलाइन स्टोर फिल्पकार्ट पर 6250 रूपया मे उपलब्ध अछि।

एहि दुनू फोनक सभसं प्रमुख गप्प मिथिलावासी लेल इ अछि जे मैथिली भाषा मे एकर लिपि तिरहुतिया लिपि क प्रयोग कएल गेल अछि।
विशेष जनतब :
# प्लेटफार्म : एंड्रॉयड 4.3
# डिस्प्ले : 4.0 इंच, 800x480 पिक्सल्स का डब्ल्यूवीजीए आईपीएस डिस्प्ले
# प्रोसेसर : 1.20 जीएचजेड क्वॉडकोर स्नैपड्रैगन 200 प्रोसेसर
# मेमोरी : 1जीबी रैम, 8 जीबी इंटर्नल मेमोरी जेकरा 32 जीबी धरि बढ़ाएल जा सकैत अछि, माइक्रो एसडी कार्ड स्लॉट
# कनेक्टिविटी : डुअल सिम (डुअल स्टैंडबॉय), 4.0ब्लूटूथ, 802.11 बी/जी/एन वाई-फाई, 3-जी सपोर्ट
# कैमरा : 5.0 मेगापिक्सल्स मुख्य कैमरा एलईडी फ्लैश क संग, 0.3 मेगापिक्सल्स फ्रंट कैमरा
बैटरी : 1500 एमएएच एमएएच पॉवर

0 comments:

Post a Comment