Wednesday, July 2, 2014

रेल बजट मे मिथिला सं मांग

समस्तीपुरपुर/सहरसा : रेल बजट 2014मे मिथिलाक मांग बहुत बेसी अछि, मिथिला प्राइम किछु प्रमुख मांग समेटबाक प्रयास केलक अछि!

#1 समस्तीपुर-जयनगर रेलखंडक दोहरीकरणक

#2 मिथिला क्षेत्रक सभ स्टेशन पर पूर्ण उद्घोषणा मैथिलीमे होए संगे क्षेत्रक सभटा स्टेशन पर स्टेशनक नाम पहिले मिथिलाक्षरमे लिखल जाए ओकरा बाद हिँदी आ अंग्रेजीमे

#3 मिथिला क्षेत्रक सभटा रैक प्वाइंट केँ सुदृढ़ कएल जाए

#4 कटिहार-नई दिल्ली, रक्सौल-टाटा (वाया सीतामढ़ी, भागल­पुर),­ भागलपुर-अहमदाबाद, जोगबनी-मुंबई, सीतामढ़ी-जयपुर(वाया मुजफ्फरपुर), जयनगर-मुंबई(वाया दरभंगा, हाजीपुर), जोगबनी-जम्मूतवी, दरभंगा-नई दिल्ली(वाया रक्सौल), मुजफ्फरपुर-चेन्नई(वा­या रायपुर), सीतामढ़ी-भोपाल(वाया दरभंगा, बरौनी), सहरसा-बेँगलुरु, मुजफ्फरपुर-हावड़ा, दरभंगा-जम्मूतवी(वाया­­ सीतामढ़ी), रक्सौल-गुवाहाटी(वाया­­­ दरभंगा) एक्सप्रेस ट्रेन भेटय

#5 सहरसा-सियालदह आ समस्तीपुर-नई दिल्ली लेल दूरंतो एक्सप्रेस ट्रेन भेटय

#6 बरौनी-जयनगर, मुजफ्फरपुर-रक्सौल, दरभंगा-रक्सौल, सहरसा-समस्तीपुर रुट पर पैँसजर ट्रेनक संख्या बढ़य

#7 दरभंगा-मुंबई गरीब रथ चलय

#8 मुजफ्फरपुर-देहरादूनक­­­­ सीतामढ़ी धरि विस्तार, दरभंगा-नई दिल्ली स्वतंत्रता सेनानीक जयनगर धरि विस्तार, मुजफ्फरपुर-अंबालाक सीतामढ़ी धरि विस्तार

#9 मिथिलामे जतेक भी छोट रेल लाइन अछि ओकरा शीघ्राति शीघ्र बड़ी रेल लाइनमे बदलल जाए

#10 मधेपुरा रेल इंजन कारखाना जल्द खुजय

#11 बिहार संपर्क क्रांति सुपर फास्ट एक्सप्रेस केर नाम मिथिला संपर्क क्रांति सुपर फास्ट कएल जाए


* कमेँटक माध्यमे अहूं अप्पन मांगक सुझाव राखि सकैत छी *

0 comments:

Post a Comment