Monday, June 16, 2014

फिल्म विधाता क भेल मुहूर्त

दरभंगा : नवादा भगवतीस्थान परिसर मे बीतल काल्हि मैथिली फिल्म 'विधाता' क मुहूर्त संपन्न भेल। एहि फिल्मक निर्देशक चंदन मिश्रा, पटकथा संतोष पंडित द्वारा लिखल आ संगीत राहुल मिश्रा द्वारा देल गेल अछि।
 फिल्म क अभिनेता रुपे अजीत कर्ण, जीतू आ मनीष मुख्य भूमिता मे रहता। फिल्म क अभिनेत्री निशा झा छथि जे एहि सं पहिलहो आन फिल्म मे काज केने छथि। विधाता फिल्म क खिस्सा परंपरागत समाज मे नारी क स्थित, संबंध मे शक बनला सं विघटन आ फेर मिलन पर आधारित अछि। फिल्मक अधिकांश शूटिंग मिथिला मे अत्याधुनिक तकनीक सं होएत। मौका पर फिल्म क संगीतकार कहलनि जे दुर्गा पूजा क अवसर पर पूरा मिथिला मे फिल्म केँ रिलीज कएल जाएत।

1 comment: